Search

सोशल मीडिया औषधि केर काज करैत अछि तथापि अत्यधिक सेवन नै करी

288 भ्यूज

­लेख विचार
प्रेषित: कीर्ति नारायण झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- “सोशल मीडिया केर मानव जीवन पर प्रभाव या योगदान­

एहि भौतिकवादी दुनिया में लोक के ब्यक्तिगत सम्बन्ध पूर्ण रूप सँ प्रभावित भेलैक अछि आ तीव्र गति सँ जीवन के चलवाक कारणे कियो किनको ओहिठाम सशरीर पहुंच कऽ हुनकर कुशल क्षेम पूछैत आ खुश में खुशी आ दुख में दुखी भेनाइ आइ काल्हि के लोक के पहाड़ बुझाइत छैक एहेन परिस्थिति में लोक सोशल मीडिया के दिस आकृष्ट होइत छैक जाहि ठाम ओ रंग बिरंग के लेखनी, कला, अपन अभिव्यक्ति इत्यादि लिखैत छैथि। जन साधारण लोक किछु काल के लेल सोशल मीडिया पर सक्रिय रहि अपन खाली समय के सदुपयोग करैत छैथि आ एहि प्रकारक लोक के संख्या बेसी अछि जे अपन परिवारक काज अथवा कार्यालयक काज कयलाक उपरान्त किछु समय दैत छैथि सोशल मीडिया पर एकर अतिरिक्त किछु गोटे एही पर लागल रहैत छैथि आ अति सर्वत्र वर्जयेत् के अन्तर्गत ओ सोशल मीडिया में उलझि कऽ अपन दैनिक कार्यक्रम के दुष्प्रभावित करैत छैथि कारण जाहि ठाम सशरीर उपस्थित होयवाक आवश्यकता होइत छैक ओहि ठाम सोशल मिडिया के माध्यम सँ उपस्थित नहिं भऽ सकैत छी खास कऽ अपन पारिवारिक समारोह में। एकर अतिरिक्त तेसर प्रकारक सोशल मीडिया पर सक्रिय लोक व्यापार के लेल जूड़ल रहैत छैथि आ हुनका लेल इ प्लेटफार्म जीविकोपार्जन के साधन बनैत अछि।. सोशलमीडिया सँ जूड़ला सँ लोक के एकटा नीक प्लेटफार्म भेटैत छैक जाहि के माध्यम सँ पढल लिखल नीक लोक सभ सँ लोक के भेंट घांट होइत छैक। बेटा बेटी के बिवाह के लेल सोशल मीडिया एकटा वरदान साबित होइत छैक कारण एकर माध्यम सँ बेटा बेटी के माता पिता अपन धिया पूता के लेल नीक सम्बन्ध चुनि लैत छैथि कारण लेखनी के माध्यम सँ बिचार आ व्यवहार सभक पता लागि जाइत छैक। एकर अतिरिक्त हम सभ मिथिलावासी रोजी रोटी के चक्कर में अपन गाम घर छोड़ि शहर ओगरने छी आ सोशल मीडिया पर अपन गामक विषय बस्तु, खान पान, रहन सहन विधि ब्यवहार के विषय में पढि कऽ अत्यन्त रोमांचित अनुभव करैत छी जतेक गाम में रहि कऽ हमरा लोकनि अनुभव नहिं कऽ पवैत छी। व्यक्तिगत अनुभव केर अनुसार जखन मिथिलाक विषय वस्तु के लेखनी पर सोशल मीडिया पर ढेरों लाइक कमेंट पढि अत्यंत मुदित होइत रहैत छी। रील के माध्यम सँ मिथिलाक एक्सक्लूसिव सामान सभ देखि दर्शक के प्रतिक्रिया जबरदस्त रहैत अछि। सोशल मीडिया पर किछु अवांछित तत्व के छोड़ि बेसी गोटे नीक भेटैत छैथि आ अहाँ जँ नीक छी तऽ अहाँ के सदैव सम्मान भेटत तें कुल मिला जुला कऽ आजुक दुनिया में सोशल मीडिया लोक के मानसिक कष्ट सँ मुक्ति करवाक लेल संजीवनी बूटी के काज करैत अछि मुदा बेसी दवाई सेहो अहितकर होइत छैक एहि बात के सेहो ध्यान में रखवाक आवश्यकता अछि ।

Related Articles