Search

सोशल मीडिया सौं व्यवसाय मे शीघ्र लाभ भेटैत छै

298 भ्यूज

लेख विचार
प्रेषित: आभा झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :-  “सोशल मीडियाकेँ मानव जीवनमे योगदान ”

सोशल मीडिया आजुक युगमे मानव जीवनक एक महत्वपूर्ण हिस्सा बनि गेल अछि। एतय तक कि ई हमर सभक दैनिक जीवनक हिस्सा बनि गेल अछि। पहिने जखन सूचना प्रसारक परंपरिक तरीका केवल समाचार पत्र, रेडियो या टेलीविजन तक सीमित छल, तखन सोशल मीडिया मानवकेँ एक नया आयाम देलक। फेसबुक, ट्विटर, इंस्टाग्राम, व्हाट्सएप जेकाँ सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म्स के माध्यमसँ हम अपन विचार, जानकारी, भावना आ गतिविधि शीघ्र दुनिया तक पहुँचा सकैत छी।

सोशल मीडिया मानव जीवनमे कतेको सकारात्मक योगदान देने अछि। पहिल योगदान ई अछि जे ई संचार केँ सहज आ त्वरित बनौलक अछि। आजुक समयमे कोनो व्यक्तिकेँ संग जँ संपर्क करय चाही तऽ एक क्लिकमे दुनियाकेँ कोनो स्थानसँ सेहो संपर्क कएल जा सकैत अछि। घर बैसल हम अपन मित्र, परिवार आ सहकर्मी सँ जुड़ि सकैत छी। एहि कारणे सोशल मीडिया व्यक्तिगत जीवनमे सुधार आनयमे सहायक बनल अछि।लोक अपन कौशल आ अनुभवकेँ साझा कऽ अपन व्यवसायिक जीवनमे प्रगति करैत छथि। संगहि, सामाजिक अभियानक प्रचार-प्रसारमे सेहो ई अत्यंत सहायक सिद्ध भेल अछि।

सोशल मीडिया आजुक समयमे एक प्रभावशाली प्लेटफॉर्म बनि गेल अछि, जतए महिला सभ अपन आवाज उठा रहल छथि। एखन धरि समाजमे महिलाक अधिकार आ समानता लेल संघर्षक जरूरत रहल अछि। सोशल मीडिया एक एहन मंच अछि, जे महिला सभकेँ अपन विचार, अनुभव आ समस्या सार्वजनिक रूप सँ साझा करबाक अवसर दैत अछि। एकर माध्यमसँ महिला लोकनि ने सिर्फ अपन व्यक्तिगत अनुभव साझा करैत छथि, बल्कि सामाजिक मुद्दा सभ पर आवाज उठबैत छथि।

ओतहि, सामाजिक जीवनमे सेहो सोशल मीडिया एक सकारात्मक भूमिका निभा रहल अछि। विभिन्न सामाजिक मुद्दा पर जागरूकता फैलाबय, पर्यावरणीय संकट, महिला अधिकार, आ राजनीतिक मुद्दा पर चर्चा करबाक लेल सोशल मीडिया एक प्रभावी मंच बनल अछि। उदाहरण स्वरूप, #MeToo, #Black Lives Matter, आ #SaveThe Planet, दहेज मुक्त मिथिला जेकाँ अभियानक माध्यमसँ लोक अपन आवाज उठा रहल अछि। ई प्लेटफार्म समाजमे सकारात्मक परिवर्तन आ जागरूकता फैलाबयमे मददि करैत अछि।

सोशल मीडियाक योगदान केवल व्यक्तिगत आ सामाजिक संबंध तक सीमित नहि अछि, बल्कि ई व्यवसाय क्षेत्रमे सेहो महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल अछि। डिजिटल मार्केटिंग आ ऑनलाइन विज्ञानक माध्यमसँ छोट-पैघ व्यवसाय दुनियाभरिमे अपन उत्पाद आ सेवा प्रस्तुत कऽ रहल अछि। खास कऽ, छोट व्यवसाय जे पहिने अपन उत्पादकेँ प्रचार नहि कऽ पाबैत छल, आइकाल्हि सोशल मीडियाक माध्यमसँ सुविधा सँ अपन उत्पादक बिक्री बढ़ा रहल अछि।

शिक्षाक क्षेत्रमे सेहो सोशल मीडियाक योगदान अनदेखल नहि कयल जा सकैत अछि। आइकाल्हि विद्यालय, महाविद्यालय, आ विश्वविद्यालय सोशल मीडिया पर ऑनलाइन क्लासेस, शैक्षिक सामग्री आ रिसोर्सेस उपलब्ध करबैत अछि। यूट्यूब पर कतेको शैक्षिक वीडियो उपलब्ध अछि जेकरे द्वारा छात्र अपन पाठ्यक्रम सँ संबंधित जानकारी प्राप्त करि सकैत छथि। एहि सँ शिक्षाक क्षेत्रमे नब अवसर उत्पन्न भेल अछि।

मुदा, सोशल मीडियाक किछु नकारात्मक पहलू सेहो अछि। झूठमूठ सूचना के प्रसार, मानसिक दबाव, आ गोपनीयताकेँ उल्लंघनक कारण लोककेँ व्यक्तिगत जीवन पर प्रभाव पड़ैत अछि। युवा वर्ग पर सोशल मीडियाक अत्यधिक उपयोगसँ मानसिक समस्या सेहो उत्पन्न होइत अछि।

अंततः, सोशल मीडिया मानव जीवनक हरेक क्षेत्रमे योगदान दऽ रहल अछि। यदि एकर उपयोग सही ढंगसँ कएल जाए तऽ ई समाज आ व्यक्तिकेँ जीवनमे सकारात्मक परिवर्तन आनयमे सहयोग करत। हमर सभक कर्तव्य अछि जे हम सोशल मीडियाक जिम्मेदारी सँ उपयोग करी आ ओकर दुरुपयोगसँ बची।

 

Related Articles