साभारः शम्भुनाथ झा – फेसबुक पोस्ट
मिथिला विभूति पर्व समारोह गौरव पूर्ण क्षण रहल । 21-22 दिसंबर क डॉ अंबेडकर इंटरनेशनल सेंटर मे आयोजित 57 वाँ मिथिला विभूति पर्व समारोह बहुत सुन्नर, परिकल्पना सं बेसी अद्भुत, अविस्मर्णीय क्षण मे एक छल ।
दु दिन के समारोह मे पहिल दिन पहिल सत्र के सेमिनार के विषय ‘जल संरक्षण आ मिथिला मे बाढि के समस्या सं क्षति आ निदान’ पर छल जाहि मे बहुत विद्वतजन – श्री घनश्याम झा, पूर्व अध्यक्ष केंद्रीय जल संसाधन विभाग, श्री चंद्र कांत लाल दास, जल संपदा विशेषज्ञ, श्री पदमकांत झा आ डॉ भास्कर ज्योति सब अपन सहभागिता दय परिचर्चा कयलनि ।
दोसर सत्र के परिचर्चाक विषय छल मिथिला मे पर्यटन आ उद्योग ऊपर चर्चा जाहि मे बिहार के पर्यटन आ उद्योग मंत्री श्री नितीश मिश्रा, मुख्य अतिथिक रूप मे भाग लेने छलाह आ बहुत जबरदस्त चर्चा-परिचर्चा भेल । हुनका संगहि मुख्य वक्ता श्री राजकिशोर झा, अविनास जी आ भैरव लाल दास सहित अन्य विद्वतजन सब भाग लेलाह ।
ओकर बाद कवि गोष्ठीक आयोजन त मानू अहि अंतिम चरण मे नव ऊर्जाक संचार दर्शक दीर्घा मे कय देलक ।
अगिला दिन यानी 22 दिसंबर क पुनः दीप प्रज्ज्वलित केला श्री नितीश मिश्र (उद्योग आ पर्यटन मंत्री बिहार सरकार), श्री मनोज तिवारी सांसद रूप मे प्रतिनिधित्व कयलनि । विद्वतजन मे डॉ श्री राम चंद्र झा (ज्योतिषाचार्य), प्रोफेसर रंजीत कुमार मिश्र, प्रोफेसर रामनाथ झा और गण्यमान्य व्यक्ति सब अपन-अपन विचार सं श्रोता केँ मंत्रमुग्ध कयलनि । संगहि अखिल भारतीय मिथिला संघ केर अध्यक्ष श्री विजय चंद्र झा अपन अध्यक्षीय मन्तव्य सँ दर्शक दीर्घा मे उच्चकोटिक प्रेरणाक संचरण कयलनि ।
अहि क्रम मे हर वर्ष के भाँति चारि गोट सम्मान अखिल भारतीय मिथिला संघ प्रदान करै छइथ जे निम्न अछि..
1. सर गंगा नाथ झा सम्मान
2. यात्री सम्मान
3. कामरेड भोगेंद्र झा सम्मान
4. श्री बाबू साहेब चौधरी सम्मान
अहि वर्ष डॉ श्री राम चंद्र झा (ज्योतिषी)जी केँ सर गंगा नाथ झा सम्मान, श्री उदय चंद्र झा विनोद केँ यात्री सम्मान, डॉ संजय पासवान केँ कामरेड भोगेंद्र झा सम्मान आ श्री प्रेमकांत चौधरी केँ बाबू साहेब सम्मान सँ सम्मानित कयल गेलनि ।
एहि समारोह मे प्रसिद्ध हास्य कवि श्री शम्भु शिखर सेहो अपन हास्य-व्यंग सँ श्रोता लोकनि केँ लोटपोट कय देलाह । अंतिम चरण मे समारोह के सांस्कृतिक कार्यक्रम शुरु भेल जकर जिम्मा मंच संचालक डॉ मनोज पाठक संग अद्भुतानन्द जी आ संगहि गायिका व गायक रूप मे श्रीमती विजया भारती, डॉ सुश्मिता, कल्पना जी, स्नेहा झा, देवानंद जी, हीरा झा, मिथिलेश जी, अनिल चौधरी, नवल किशोर मल्लिक, सोनी, तनिष्क आ सुन्दर डांस ग्रुप श्रोता केँ मंत्रमुग्ध कयलनि ।
अखिल भारतीय मिथिला संघ के अध्यक्ष श्री विजय चंद्र झा, राधा नाथ झा, महासचिव, सचिव संग समस्त कार्यकर्ता लोकनि केँ एहि सफल आयोजन लेल साधुवाद । जय मिथिला, जय मैथिली । जय बाबा विद्यापति !!