जितिया जमघट – विराटनगर महिला समूह केर भव्य आयोजनक चहुंदिश चर्चा

सोनी कर्ण, विराटनगर । १८ सितम्बर २०२४, मैथिली जिन्दाबाद !!

भादव ३१ गते, २०८१ तदनुसार १६ सितम्बर, २०२४ ई. (सोमदिन) विराटनगर (नेपाल) स्थित कञ्चनजंगा पार्टी पैलेस मे श्रीमती वन्दना चौधरीक अध्यक्षता मे जितिया पाबनि समारोह आयोजित भेल । ई समारोह ६५ – ७० महिला सभक गरिमापूर्ण उपस्थिति एवं सहभागिताक संग नीक जेकाँ सम्पन्न भेल।

मिथिलाक सांस्कृतिक परम्परा केँ झलकाबैत भव्यताक संग शुरु आओर संपन्न भेल । एहि कार्यक्रम मे मैथिली गीत-नाद, जितिया कथाक मधुर वाचन, झिझिया नृत्यक आकर्षक प्रदर्शन आदिक संग अनेक प्रतियोगिता सभक आयोजन एहि समारोहक विशिष्टता रहल ।

समारोह मे विभिन्न प्रतियोगिताक विजेता संग सब प्रतियोगी केँ उपहार सँ सम्मानित कएल गेल । सब सँ अनोखा आओर नव अनुभव भेटलनि मिथिलानी सब केँ । मिथिलानी सबमे मिथिला रीति-रेवाजक संग किछु अलग कय सकबाक आत्मविश्वासक सृजन भेलनि; जेकर एकटा दृष्टांत छल ‘रैम्प वाक’ । जितिया पाबनि समारोह मे अहू के प्रत्यक्ष परिचय भेटल । ‘रैम्प वाक’ इवेंट मे तीनटा प्रतिभागी केँ क्रमशः प्रथम, द्वितीय आ तृतीय विजेता तथा दोसर प्रतियोगिता मे एकटा प्रतिभागी केँ ‘मिसेज़ टैलेंट’ घोषित कएल गेल ।

मिथिलाक सुन्दर एवं सर्वथा श्लाघनीय परंपरा केँ कायम राखैत हरियर-पीयर सुन्दर परिधान मे सुसज्जित उपस्थित महिला सब जे सूरजमुखी फूल सन लगैत छलीह, ताहि मे सँ सुहागिन सब केँ खोईंछ दय केँ सम्मानित कएल गेनाय स्नेह आ आशीर्वाद सँ परिपूर्ण भावुक क’ दयवला पल छल ।

कार्यक्रम तखन आओर रुचिकर आओर आनन्दकारक भ’ गेल जखन मिथिलाक शुद्ध जलखै आ खेनाय के व्यवस्था मे जितियाक अनुपम पहिचान आ अवसरोचित व्यंजन मरूवा रोटीक संग स्वादिष्ट माछक अतिउत्तम प्रबन्ध सहज सुलभ रहल ।

श्रीमती वंदना चौधरी जीक कुशल अध्यक्षता मे बहुत सुन्दर कार्यक्रम आयोजित भेल । कार्यकारिणीक सदस्यगण तथा समारोह मे उपस्थित सम्पूर्ण महिला समाज केर सहयोग आओर समय सँ उपस्थिति वास्ते आभार आ धन्यवाद ज्ञापन करैत समारोह समाप्त भेल ।

मनोरंजन सँ भरल-पूरल, मनोरम, सुन्दर आ सौहार्दपूर्ण वातावरण मे ई जितिया समारोह शांतिपूर्वक सम्पन्न भेल । आगामी समयमे आओर दिव्य एवं भव्य समारोह होयत से विश्वास आ अपेक्षा अछि ।

एहि तरहक आयोजन लेल वन्दना चौधरी संग सहयोगी लोकनि मे मीरा देव, रिंकी झा, बबिता झा एवं सोनी कर्ण महत्वपूर्ण भूमिका निभौलनि । राधा मंडल एहि जितिया जमघट समारोह केर मंच संचालन कय चारि चाँद लगा देलीह । जितिया कथा श्रीमती आरती झा द्वारा कहल गेल जे सुनि समस्त सहभागी लोकनि गदगद भ’ गेलीह । सीतामढ़ी सँ आयल ७० वर्षीया श्रीमती कल्याणी कर्ण द्वारा जितियाक माहात्म्य और गीत प्रस्तुत कयल गेल ।

कार्यक्रमक उद्घाटन श्रीमती आशा झा, श्रीमती ममता दास, श्रीमती आरती झा, श्रीमती राधा झा, श्रीमती सरोज झा सहित समस्त आदरणीय-सम्माननीय महिला अभिभावका लोकनि द्वारा कयल गेल छल । गोसाउनिक गीत गाबि कार्यक्रम मे समस्त सहभागी लोकनि अपन-अपन परिचय दैत कार्यक्रम आरम्भ कएने छलथि । समस्त महिला द्वारा परिचयक क्रम मे अपन-अपन स्वरोजगार व उद्यम बारे विशेष चर्चा करबाक महत्वपूर्ण कार्य कयल गेल । आपसी सहयोग व सौहार्द्रता कायम करैत आगू बढ़बाक कार्य महिला समूह द्वारा बेसी प्रभावी ढंग सँ होयत ताहि लेल एहि जमघट केर सब कियो जमिकय प्रशंसा कयलनि ।

झिझिया नृत्य मे पूनम सिंह, सरिता साह, गौरी गुप्ता, मंजू मंडल, सोनी कर्ण, ममता कर्ण, किरण यादव, आभा अनुपमा, तनुजा मिश्रा, रंजू पोद्दार, रिंकी झा, सोनी झा, रोजी झा, अर्चना झा, सुष्मिता झा, सोनी दत्त, बीणा कर्ण, भाग्येश्वरी झा, सबिता गुप्ता सहभागिता जनौलीह । झिझिया नृत्य मिथिलाक मौलिक नृत्य प्रस्तुत करैत समस्त महिला सहभागी बहुत प्रसन्नताक अनुभूति कयलीह ।

मिथिलानी रैम्प वाक प्रतियोगिता मे रंजू पोद्दार, राधा मंडल, भाग्येश्वरी झा, गौरी गुप्ता, मंजू मंडल, सबिता गुप्ता, रोजी झा, सोनी झा, सोनी कर्ण, ममता कर्ण, रंजू पोद्दार, वन्दना भगत, नीमा देव, शोभा देव, काशिका चौधरी, मुन्नी झा, बबिता यादव, आदिक सहभागिता रहल । एहि मे निर्णायक केर भूमिका श्रीमती आभा मिश्रा, श्रीमती आभा अनुपमा, श्रीमती नबीना झा एवं श्रीमती बिभा झा कयलीह । प्रथम पुरस्कार मंजू मंडल, द्वितीय गौरी गुप्ता एवं तृतीय भाग्येश्वरी झा केँ प्रदान कयल गेलन्हि । सान्त्वना पुरस्कार स्वरूप प्रत्येक सहभागी केँ दोपटा प्रदान करैत कयल गेलनि ।

रैम्प वाक एकटा नया प्रयोग भेल । एहि मे मैथिली गीत पर सब सुन्दरी महिला प्रतिभागी अपन सौन्दर्यक प्रदर्शनी कयलीह । संगहि निर्णायक लोकनि द्वारा पूछल गेल मिथिलाक पाबनि-तिहार, रीति-रेवाज, खान-पान, वेश-भूषा, अलंकार-श्रृंगार सँ जुड़ल सवाल-जवाब सेहो कयल गेल ।

मंच पर जितियाक विशेष डालीक प्रदर्शनी संग समस्त सहभागी महिला केँ खोंइछ प्रदान करैत गीत-गायन बीच सम्पूर्ण समारोहक समापन कयल गेल । समापन उपरान्त जितिया विशेष खानपान माछ-मरुवा व भोजन सामग्रीक सुस्वादु भोज सेहो आयोजित कयल गेल ।

जितिया जमघटक अन्य सहभागी लोकनि ममता झा, चन्दा साह, सोनी दत्त, संजू देव, सरिता झा, नीतू ठाकुर, रानी झा, माधुरी झा, सोनी झा, हेमदेवी झा, किरण यादव यदुवंशी, कल्याणी कर्ण, कंचन झा, सीता साह, सोनी दास, ममता कर्ण, अमृता कर्ण, रूपा झा, श्रुति झा, वन्दना भगत, तनुजा मिश्रा, किरण यादव, राखी झा, कल्पना झा, रंजू झा, प्रेम सिंह, प्रतिमा सिंह, रेखा झा, प्रज्ञा देव, रंजना देव, पुष्पा देव, सबि देव, निभा देव, सरोज झा, शोभा गुप्ता, आशा झा, राधा देवी, शोभा देव, काशिका चौधरी, बबिता झा, मुन्नी झा, एलिना झा, बबिता यादव, इन्दिरा यादव, शालिनी झा व अन्य केर उपस्थिति छल ।