लेख विचार
प्रेषित: प्रिया झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- मनुष्य के जीवन में गुरू केर कि महत्व अछि ।
मनुष्य के जीवन में गुरु के अहम भुमिका रहैत अछि चाहे बाल्याअवस्था मे पहिल शिक्षा माँ पिता दैत छैक ।
ओहिना कनि पैघ भेला पर स्कूल गेला पर शिक्षक सभक बहुत महत्वपुर्ण योगदान रहैत अछि ।
बिनु गुरू सब सुना बला कहावत छैक कि जीवन मे गुरू महत्वपुर्ण होइत अछि आ ज्ञान गुरू आ शिक्षक दैत छैक । ज्ञान बिना जीवन किछु नैय अछि । जीवन मे कतेक तरहक परिस्थति अबैत अछि आ ओहि विषम आ सम. परिस्थिति सं हमर ज्ञान निकालैत अछि । ज्ञान गुरू सं भेटैत अछि । ज्ञान अनमोल आ अहु सं पैघ गुरू होइत अछि । विवाह के बाद सेहो इष्ट देवता वा देवी लेल
मंत्र लेल जाइत अछि आ ओ मंत्र सासुर मे सासु ससुर दैत छैक तखने इष्ट देवी के स्मरण के अधिकारी पुजा के अधिकारी बनय छी ।जिनका सं मंत्र लेल जाइत अछि ओ गुरू आ गुरूआइन बनैत छैक । अहि सं प्रमाणित होइत अछि कि गुरू के कते महत्व होइत अछि । गुरू ज्ञान दैय के अलावा मार्गदर्शन करैय छैक उचित कार्य करैय लेल प्रोत्साहित सेहो करैय छैक ।गुरू के सभहक जीवन मे अनिवार्य कार्य रहैय छैक हिनकर बिना भटकल दिशाविहीन सन मार्ग रहैय छैक ।
#गुरु भगवान तुल्य छैक ।
#गुरू शिक्षा दैत छैथि ।
#गुरू शैक्षणिक आ आध्यात्मिक ज्ञान दैत छैक ।
#गुरू दुनिया मे जीबैय के आधार प्रशस्त करैय छैक ।
#गुरु न्यायमुर्ति जकां छैक जे विधार्थी मे उचित अनुचितक मार्ग देखबैय छैक जकर नींव बच्चे मे राखल जाइत अछि ।
#गुरू सुरज जकां छैक जे अपन चमक सं विधार्थी के ऊर्जावान आ तेजस्वी बनबैय छैक ।
#शिक्षक दिवस मनाएल जाइत अछि विधार्थीजीवन मे
सार्थक मार्ग गुरू सं भेटैत अछि ।
#गुरू पक्षपात नैय करैय छैक जहि सं विधार्थी सिखैय छैथ कि सबके समान बुझि ककरो ऊंच आ नीच नैय बुझि ।
#गुरूर ब्रंहृमा गुरूर विष्णु गुरूर देवो महेश्वरः।।
#गुरू साक्षात परब्रंहम तस्मै श्री गुरूवे नमः ।।
जय गुरुवर क। सभ गुरू के
वृद्धि होइ ज्ञान के तेज के एश्वर्य के बुद्धि के ।।
नाश होइ अंहकार के।।
नाश होइ अज्ञान के ।।