लेख विचार
प्रेषित: आभा झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- “ स्वतंत्रता दिवसकेँ की महत्व अछि!
स्वतंत्रता दिवस भारतकेँ इतिहासमे एक महत्वपूर्ण घटनाक प्रतीक अछि। 15 अगस्त 1947 कऽ भारत ब्रिटिश उपनिवेशवादसँ स्वतंत्र भेल। एहि दिनकेँ हरेक साल देशभरिमे राष्ट्रीय गर्व आ उत्साहक संग मनाओल जाइत अछि। पन्द्रह अगस्तक दिन भारतीय स्वतंत्रता संग्रामक वीरता, संघर्ष आ बलिदानक स्मृतिकेँ ताजगी प्रदान करैत अछि।
स्वतंत्रता दिवसकेँ महत्व केवल ऐतिहासिक घटनामे सीमित नहिं अछि, बल्कि ई समकालीन समाजक कतेक पहलुकेँ सेहो प्रभावित करैत अछि। ई दिन हमरा याद दियबैत अछि कि स्वतंत्रता प्राप्त करयकेँ लेल अनगिनत बलिदान आ संघर्ष भेल छल। महात्मा गांधी, पंडित नेहरू, भगत सिंह, सुभाषचंद्र बोस जेहेन स्वतंत्रता सेनानी अपन जानक बाजी लगा कऽ देशकेँ स्वतंत्रताक लड़ाई लड़लनि। हुनक बलिदान आ तपस्या हमरा प्रेरित करैत अछि कि अपन स्वतंत्रताक रक्षाकेँ लेल तत्पर रहब आ अपन अधिकार आ कर्तव्यकेँ बुझब। स्वतंत्रता दिवस पर राष्ट्रकेँ एकजुट होइकेँ आ अपन स्वतंत्रताकेँ बना कऽ राखयकेँ अवसर भेटैत अछि। ई दिन हमरा याद दियबैत अछि कि स्वतंत्रता एक महग उपलब्धि अछि जेकरा हम बड्ड संघर्ष करी कऽ प्राप्त कएने छी आ एकर संरक्षणक जिम्मेदारी हमर सभक कन्हा पर अछि।
स्वतंत्रता दिवस पर आयोजित समारोह आ कार्यक्रम हमरा राष्ट्रीय एकता आ विविधताक प्रतीककेँ रूपमे एकजुट करैत अछि। ध्वजारोहण,भाषण, सांस्कृतिक प्रस्तुति आ सैन्य परेड जेहेन आयोजन एहि दिनकेँ विशेष बनबैत अछि। प्रधानमंत्री आ राष्ट्रपति अपन भाषणमे
स्वतंत्रता संग्रामक नायककेँ श्रद्धांजलि अर्पित करैत छथिन आ देशक विकासकेँ दिशा पर चर्चा करैत छथिन। ई समारोह भारतीय संस्कृतिकेँ समृद्धि आ विविधताकेँ सेहो उजागर करैत अछि, जे देशक एकता आ अखंडताकेँ देखबैत अछि।
स्वतंत्रता दिवसक महत्व शिक्षा आ प्रेरणाक संदर्भमे सेहो विशेष अछि। ई दिन युवा पीढ़ीकेँ स्वतंत्रता संग्रामक कथा आ नायककेँ बलिदानसँ परिचित करबैत अछि। युवा सभकेँ राष्ट्रकेँ सेवा आ सामाजिक जिम्मेदारीकेँ प्रति जागरूक करैत अछि। स्वतंत्रता संग्रामक कथा आ देशभक्तिकेँ उदाहरण बच्चा आ युवाकेँ प्रेरित करैत अछि कि ओ देशक प्रति अपन जिम्मेदारी के बुझैथ आ समाजमे सकारात्मक बदलाव आनैथ।
पन्द्रह अगस्त भारतक लेल एक ऐतिहासिक आ भावनात्मक दिन अछि, जे स्वतंत्रता संग्रामक समाप्ति, राष्ट्रकेँ एकता आ विविधता आ नागरिक जिम्मेदारीकेँ महत्वपूर्णताकेँ देखबैत अछि। स्वतंत्रता दिवस एक महत्वपूर्ण अवसर अछि, जे हमरा अपन इतिहास, संस्कृति आ राष्ट्रीय पहचानक याद दियबैत अछि। स्वतंत्रता दिवस केवल एक ऐतिहासिक दिन नहिं अछि, बल्कि ई भारतीय जनताकेँ सामुहिक संघर्ष, बलिदान आ स्वतंत्रताक प्रति हुनकर अपार लगन आ समर्पणक प्रतीक अछि। एहि दिनक महत्व ताहि दुवारे सेहो अछि कि ई दिन हमरा एकजुटता, साहस आ राष्ट्रीय गर्वकेँ भावनासँ भरपूर करैत अछि, आ हमरा देशक उज्ज्वल भविष्यक दिशामे निरंतर अग्रसर रहैकेँ प्रेरणा दैत अछि। अपन बाल बच्चाकेँ सेहो स्वतंत्रता दिवसकेँ महत्व अवश्य बताबी।
जय मिथिला, जय मैथिली।
जय हिंद 🇮🇳🇮🇳