महिला स्वतंत्र हैत अपन समाजक दानव सौं तखनहि स्वतन्त्रता केर महत्त्व बूझब

676

लेख विचार
प्रेषित: प्रिया झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय:- भारतवासी के लेल स्वतंत्रता के महत्व

अपना सभ आब आजाद भऽ गेल छी ।21वीं सदी के आधुनिक युग मे छी ।सब किछु बदलि गेल सोच ,पढ़ाई के तरीका, कार्यप्रणाली ,शैली मानसिकता माहौल सबटा बदलि गेल ।भारत अंग्रेजक तर मे रहल आ
बड़ दुख कष्ट भोगलक ,आजादी के असली मतलब हुनका पता छैन जे अहि गुलामी के दंश झेललैथ ।
अपना सब आजाद भारत के भारतीय छी आब कियो गुलामी के जंजीर मे नैय बन्हल छी। आजाद भेलौ आ आजादी के मतलब स्वतंत्रता के महत्व बुझलौं आब पराधीनता के दंश नैय भोगैय पड़ैत अछि । सब काज लेल स्वतंत्र छी कोनो रोक टोक नैय अछि ।पराधीन भऽ रहनैय अभिशाप होइत अछि । अपन देश मे कतौ घुमि सकय छी कोनो कार्य कऽ सकय छी स्वतंत्र छी ।स्वतंत्रता लेल कतेको क्रांतिकारी अपन जान गंवेलैथ ।तखन अपना सभके स्वतंत्रता प्राप्त भेल ।
भारत प्रौधोगिकीक क्षेत्र मे क्रांतिकारि सफलता प्राप्त केलक ।भारतवासी आब अपन विकास कऽ सकय छैक,कियाकी आब पराधीन नैय छी अपन चहुंमुखी विकास बिना रोकटोक के कऽ सकय छी ।
एकटा भारतीय लेल स्वतंत्रताक बहुत महत्वपुर्ण अनुभूति अछि और एकर अनुपम महत्व अछि से बच्चा -बच्चा बुझैत अछि। भारत महान व्यक्तित्व,ऋर्षिमुनि,
वैज्ञानिक सभक देश अछि । भारतवासी छी आ भारत देश मे जन्म लेलौं आ अहि देश मे अपन जान निकलै सैह इच्छा अछि। शान सं भारत देश मे रहय छी जत;कोनो नियम कोड आ सख्त कानुन नैय बनल अछि भारतीय लेल ,ओना दुष्कर्म आ अत्याचारी सभ लेल सख्त कानुन बननैय परम जरूरी अछि नारी सुरक्षा लेल सख्त कानुन बनय कि गुण्डा सभ कोनो औरत दिस तकनैय बिसरि जाय आ छुनाय तऽ दुरक बात भऽ जाय ।
अपन भारत सोन चिड़िया फेर सं बनि जाय सैह आशा संग सभके स्वतंत्रता दिवस के शुभकामना आ बधाई ।
जय भारत