विराटनगर, 16 जुलाई 2025 ।
चुरा दही आम केर भोज
आइ दिनांक 16 जुलाई यानी सावन मास के 1 गते, आदरणीय अग्रज-मार्गदर्शक श्री राम रिझन यादव जी द्वारा हमरा सहित दर्जनों सामाजिक-साहित्यिक-सांस्कृतिक अभियानी सब केँ अपन बारीक आम खेबाक वास्ते आमंत्रित कयलनि। अपराह्न 2 बजे सँ 4 बजे केर आमक भोज बहुत नीक सँ पूर्ण भेल।
विदित हो जे विराटनगर मे अपन निवास ‘मिथिलांचल’ मे राखल भोज मे मिथिला टाइम्स केर सम्पादक रामरिझन यादव सावन मास सँ मैथिली पाक्षिक पत्रिका केर प्रकाशन निरन्तरता हेतु सब सँ आग्रह सेहो कयलनि। एहि लेल प्रकाशक कम्पनी निर्माण कार्य लेल सभक सहभागिता केर प्रस्ताव देलनि।
मैथिली एसोसिएशन नेपाल विराटनगर केर तरफ सँ हम अध्यक्ष, आभा अनुपमा दीदी उपाध्यक्ष आ राकेश देव महासचिव सहित सलाहकार शिव नारायण पंडित सिंगल, मधु पोखरेल, भवानी पोखरेल, प्रेम यादव, कर्ण संजय, पूजा बहार, डोमी कामत, फूल कुमार देव सहित उपस्थित सब गोटे एहि लेल समर्थन जतेलनि।
चूंकि मिथिला टाइम्स केर प्रकाशन विगत 33 वर्ष सँ होइत आबि रहल अछि, तेँ कानूनी तौर पर प्रकाशनाधिकार कोना हस्तांतरित कयल जाय से बुझिकय 2-3 दिन मे निर्णय करबाक बात सम्पादक रामरिझन यादव बतेलनि।
एकर अन्य विकल्प एक स्वतंत्र प्राइवेट लिमिटेड कंपनी खोलिकय प्रकाशन केँ निरन्तरता देबाक विन्दु पर सेहो विमर्श भेल। येनकेन प्रकारेण मैथिली संचारकर्म केर एक प्रतिष्ठित उपक्रम केँ जारी रखबाक लेल सहकार्य करबाक सहमति बनल।
हरि: हर:!!