Search

संस्था आ सत्प्रयास के विलक्षण उदाहरण

313 भ्यूज

अपन ब्राह्मण समाज विराटनगर
(संस्था आ सत्प्रयास के सुन्दर उदाहरण)

परसू शनि दिन ‘अपन ब्राह्मण समाज विराटनगर’ केर एक सुन्दर सत्प्रयास रूपी उपक्रम ‘माँ काली ब्राह्मण कल्याण बचत कोष’ केर वार्षिकोत्सव मे गेल रही। बहुत सुन्दर विचार सब भेल, भोज सेहो भेल। बहुत आनन्द आयल। तुरन्त फोटो सार्वजनिक एहि लेल नहि कयलहुँ जे देख पड़ोसिया जैर मरय वला हाल होइतय। आबो हेतय, लेकिन परिणाम सार्थक हेतय!😊

सच पूछी त सुसंगठित संस्थाक ठोस उदाहरण थिक अपन ब्राह्मण समाज विराटनगर, जाहि मे एक सँ बढिकय एक पुरोधा लोकनि सदस्यता ग्रहण कयने छथि आ मासिक बचत सँ आइ सुदृढ़ बचत कोष ठाढ़ कयने छथि। मृत्युंजय जी, सुजीत जी, मिथिलेश जी, वीरू सर, अमर जी, सरोज जी, सन्तोष जी, मंजू जी, रमन जी, आदि अनेकों नेतृत्वकर्ता सभक सूझबूझ सँ नित्य नव शुभ समाचार सब भेटल करैछ।

सब सँ पैघ बात ई जे माँ काली स्वयं कत्ता लयकय वर्चस्ववादी सोच केँ हतैत छथिन आ ई समूह दनदनाइत आगू बढ़ैत अछि।

सुनबा मे अबैत अछि जे नाक मे खैंठी आन संस्था जेकाँ एतय सेहो गरैत छन्हि गोटेक-आधेक केँ, लेकिन 2-3 दिन मे अपने ठिको भ गेल करैत छन्हि।

माँ काली केर वार्षिक पूजनोत्सव करैत छथि ई लोकनि आ सम्पूर्ण (सर्वजातीय) समाज कल्याण हेतु कालिका देवी सँ बकायदा संकल्प लयकय करैत छथि। ओहि राति एक विशेष मंत्र सँ उपद्रवी मानसिकता केँ शमन करयवला विशेष मंत्र सँ प्रार्थना करय जाय छथि, तेँ एकजुटता बनल रहैत छन्हि, पोप फ्रांसिस सब साइड धेने रहैछ।

दोसर दिन भव्य कीर्तन सेहो होइछ, कहल जाइत छय जे ओहि स्थल पर आनो दिन ओहने कीर्तन के ध्वनि लोक सब सालों भरि सुनैत छथि।

स्वाभाविक सत्य छय जे शुद्ध समर्पण भाव सँ आदिशक्ति माता काली केर आराधना करबय त स्वयं देवाधिदेव महादेव प्रसन्न रहि सभक कल्याण करैत रहता।

हम बेर बेर प्रार्थना करैत छी जे जगजननी काली केँ सर्वोपरि मानय वला समूह कदापि कारी विचार नहि अवधारय! जय माँ!

हरि: हर:!!

Related Articles