Search

अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवसः नमो केर विशेष योगदान

389 भ्यूज

अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवसः नमो केर विशेष योगदान

आइ भारतक लोकप्रिय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी (नमो) काश्मीरक सुन्दर वादी मे योग शिविर मे स्थानीय जनताक संग आनन्द विभोर भेल छथि। यैह ओ महान नेता भेलाह जे भारतवर्षीय योग केर अन्तर्राष्ट्रीयकरण लेल एकटा पैघ डेग उठौलनि। एहने नहि छैक जे भारतवर्षीय योग-प्रशिक्षक सब एहि सँ पहिने अन्तर्राष्ट्रीय स्तर पर योग-प्राणायाम-व्यायाम आदिक महत्व स्थापित नहि कयलनि, एक सँ बढिकय एक योगी एहि लेल सहस्रों वर्ष सँ प्रयास करैत आबिये रहल छलाह/छथि। मुदा दृढ़संकल्पक संग भारत ओ भारतीयता केँ जाहि ढंग सँ नरेन्द्र मोदी आगू बढ़ौलनि, ई कतेको राजनीतिक शक्ति-तत्त्व लेल अनुकरणीय अछि।

काश्मीर मे प्रकृतिक दया आ कृपाक उदाहरण देल जाइछ। सुन्दर झील, सुन्दर पहाड़ी घाटी, हरियर कंचन वन केर विस्तार – आर ओतबे सुन्दर एतुका लोक सब; लेकिन कनिटाक राजनीतिक विवाद (झगड़ा) केर लुत्ती आइ स्वर्ग समान काश्मीर केर भयावह दृश्य प्रस्तुत करैत अछि। बाबा अमरनाथ केर दर्शन सँ माता वैष्णोदेवीक दर्शन जेहेन उच्चकोटिक धार्मिक पर्यटन तक आतंकवाद केर शिकार बनल करैत अछि। देशक सैन्यबल केँ त कतेक शहादति दियए पड़ल आ क्षेत्रक बेटा-बेटी व प्रजाक कतेक दुर्दान्त बलि पड़ि गेल – से सब बात आँखि सँ मोट-मोट नोरक बुन्द मात्र बहबैत अछि। तथापि, एक राजनेता अपन दृढ़संकल्प सँ ओहि वादी मे जाय ओतुका प्रजाक घाव पर मरहम-पट्टी करैत छथि, ई नमन योग्य कार्य थिक।

नमो पहिल बेर नहि छथि घाटी-वादी मे। ओ अपन जीवनक बहुत युवाकाल सँ काश्मीर आ काश्मीरी जनता संग आपेकता रखैत आबि रहला अछि। हमर एक मित्र गगनजी (मूल ग्राम – महिषीधाम, सहरसा) सेहो आइ नमो जेहेन राष्ट्रवादीक अनुकरण करैत अपन जीवन राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ केर प्रचारक रूप मे समर्पित कएने देखैत छी आ नमो केर इतिहास पर नजरि दैत छी, तखन पता चलैत अछि जे एकटा राष्ट्रक अस्मिता प्रति जहिना सैन्यबल द्वारा संकल्प लेल जाइछ, किछु तहिना स्वयंसेवक द्वारा सेहो संकल्प लयकय राष्ट्रवादक नारा बुलन्द कयल जाइछ।

नमो आइ प्रधानमंत्री बनिकय पर्यन्त अपन वैह जुनूनी अभियान केँ आगू बढ़ा रहल छथि, हुनका बेर-बेर नमन!

अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस केर समस्त मानव समुदाय मे प्रवीणक शुभकामना!

हरिः हरः!!

Related Articles