Search

मशीनक युग भेने शारीरिक आ मानसिक तनाव बढ़ल जा रहल छै

लेख विचार
प्रेषित: नूतन ठाकुर
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय- आधुनिक समय में भौतिक वस्तु के उपयोग कतेक गुणकारी आ कतेक हानिकारक

आजुक विषय छल ____आधुनिक समय में भौतिक वस्तु के उपयोग के हानि,लाभ
कहल जाई छै जे हर चीज के दू पहलू होई छै तें भौतिकवादक(वस्तु) एकरा लेल ई कहीं सकै छी जे ई जीवन लेल अवश्यकता बनि गेल अछि किएक तँ परिवर्तन दुनिया के नियम छिए आ समयानुसार बदलाव जरूरी छै। तखन आवश्यकता आ विलासिता मे फर्क बुझव सेहो जरूरी छै । तैयो मनुष्य जाति अपन स्वभाव वश भ्रमक जाल मे फंसीए जाई‌छै जेना कि मोबाइल
आब भौतिक वस्तु के जाल मे सब तेना फसल छी जे बहुत चीज एहन छै जकर‌‌ आवश्यकता नै रहितों दिखावा के लेल करै छी। तकर सबस पैघ उदाहरण जे अलमारी में साड़ी कपड़ा राखै के जगह नै तैयो कतौ जाई काल पहिरै लेल रहबे नै करै छै। पहिने अपन सबहक दादी,नानी के ई परेशानी नै छलै ।आब कियो कनिको मेहनत वाला काज नै कर चाहै छी , तेहन न रेडिमेड कपड़ा के फैशन आएल जे आब त खाना पीना सेहो रेडिमेड भ गेल ते आब ककरो स ककरो स्नेह नै रहलै । पहिने परिवार मे सबहक काज बाटल छल जे पूरूष सब ई काज जनानी सब ई काज कहि बांटल छलै किंतु समयानुसार बदलाव सहीए मे जरूरी छै परन्तु एकर दुष्परिणाम भयानक छै । सब काज मशीन से भ जाई छै । लोक के केकरो जरुरत नै छै । यैह भेल भौतिक वस्तु के दुष्परिणाम।
दु डेग पैदल नै चलब गाड़ी चाही । नाबालिग के से हो पैसा वाला गार्जियन द दै छथिन किनी के गाड़ी। परिणाम जे हुए,बुझै छियै जे पैदल चलनाई जरूरी छै परन्तु ओना नै जखन डाक्टर कहत त तहन टहलब ।
मसाला मिक्सी मे पीसब, कपड़ा ‌मशीन मे धोयब ओहो फुल आटोमेटिक मे, गाड़ी चाहीं, खाना ‌फ्रीज के बासी खायब तो हानि तो हेबे करतै।पहिले शारीरिक परिश्रम करै छलै लोक त कम बिमार पडै छल आब त माय के पेटे स दबाई के शुरूआत रहै छै।
भौतिक वस्तु के लाभ से हो अछि जेना कि आब घर बैसले बहुत काज मिनटों मे भ जाई छै चाहे ककरो स बात करबाक हो, पैसा पठेबाक हो,या आनलाइन समान मंगेबाक हो या पढ़ाई हो सब काज सुविधा जनक भ जाई छै। दूर दूर के यात्रा क्षण मे भ जाई छै । सब स बड़का बात जे अपन परिवार , समाज ,सर संबंधि स जुडल रही सकै छी ।

Related Articles