लेख विचार
प्रेषित: शेफालिका दत्त श्रीजा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय- आधुनिक समय में भौतिक वस्तु के उपयोग कतेक गुणकारी आ कतेक हानिकारक।
आधुनिक समय मे भौतिक वस्तुक उपयोग कतेक गुणकारी आ कतेक हानिकारक से ते
एखुनका समय में भौतिक सुख सुविधा हानिकारक होइयतो बहुत जरूरी भs गेल अछि।ओई के बिना एक्को डेग चलनाई मुश्किल भs गेल अछि।समय के साथ लोक के जिंनगी मे बदलाव लाबय परैत अछि।पहिने गाम घर मे भौतिक सुख नई रहैत छल तखन ओई समय मे सब निरोग रहैत छलैथि।अपने से कुटिया पिसिया सब करैत छलैथ।ओही से अप्पन शरीरक व्यायाम भs जाईत छल।अपन बाड़ी कs उपजायल बिना खाद पानी के सब खाइत छलैथ तs सब स्वस्थ रहैत छलैथ।लेकिन आब तs कियो गाम मे नई रहैत छथि जाहि कारण से भौतिक सुख कs अपनाबय परैत छैन्ह।शहर सब मे ई सब सुविधा नई रहला के वजह से मजबूरन भौतिक सुख के तरफ आकर्षित होइत छैथि।ओही सब कारण से शहर मे बेसी लोक अस्वस्थ अनेको बीमारी से ग्रस्त भ जाइ छथि।
गाम सब मे खुला वातावरण रहैत छल,शुद्ध स्वचछ हवा सब मिलैत छल लेकिन शहर सब म बंद-बंद घर सब रहै के कारण बिना कूलर पंखा एसी नई रहि सकैत छी।अही सब सँ बहुत जरूरी भs गेल अछि।आब एक सँ एक स्मार्ट फोन कs सुविधा भs गेल अछि,जे एखुनका समय मे बहुत उपयोगी भs गेल अछि।बच्चा सब बाहर रहैत अछि,ओकरा सब सँ विडियो कॉल मे बात होइत अछि,बात भेला सँ कखनो लागिते नै अछि जे बच्चा सब हमरा सब सँ दूर रहैत अछि।ई सब बहुत नीक सुविधा भs गेल अछि।मिला जुला कs इहे कहब जे किछ चीज बहुत उपयोगी सेहो अछि आ किछ चीज बहुत हानिकारक ते अछिए अछि।
*
जय मिथिला जय मैथिली।
शेफालिका दत्त “श्रीजा”