नेपालक राष्ट्रीय पत्रिका ‘हाम्रोमत’ द्वारा मैथिली मे ‘मिथिला संस्कृति विशेषाङ्क’ केर नियमित प्रकाशन होयत

१२ मई २०२४, मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिलीभाषी लेल प्रसन्नताक खबरि
नेपालक राष्ट्रिय दैनिक पत्रिका “हाम्रोमत” द्वारा सप्ताह मे एक दिन ‘मिथिला संस्कृति विशेषाङ्क’ केर प्रकाशन कार्य कयल जेबाक सूचना सम्पादक अर्जुन आचार्यजी करौलनि अछि। एहि विशेषाङ्क पृष्ठ केर संयोजनक भार पत्रिकाक प्रतिनिधि जितेन्द्र ठाकुरजीक संग भाषा अभियन्ता रूप मे हमरो जिम्मेदारी देलनि अछि। हम ई काज स्वयंसेवी बनिकय अवश्य करब से वचन देलियनि अछि।
विदिते अछि जे मैथिली भाषा मे छापल सामग्रीक संचरणक अभाव अछि। अभाव कि, विराटनगर व मोरङ्ग-सुनसरी-झापा एवं कोशी प्रदेश मे एकहु टा प्रकाशन जिबैत अवस्था मे नहि देखाइछ। निश्चित किछु समय पूर्व ‘न्यू सृष्टि दैनिक’ द्वारा ‘हिपमत’ परिशिष्ट अन्तर्गत बहुभाषा (मैथिली सहित विभिन्न मातृभाषा) केर लेख-विचार सब प्रकाशित भेल करय, परञ्च ओहो किछु समय सँ बन्द अछि। तहिना राष्ट्रीय स्तर पर गोरखापत्र मे सेहो विभिन्न भाषा लेल समर्पित प्रकाशनक तहत मैथिली भाषा मे एकटा पेज प्रकाशित होइत आबि रहल अछि। मुदा ओहि मे कोशी प्रदेशक कथा-वस्तु बड बेसी नहि समेटल जेबाक कारण ‘हाम्रोमत’ केर ई निर्णय बड पैघ सहयोग करत से आत्मविश्वास जागल अछि। एहि लेल हम समस्त मैथिलीभाषी समाज ‘हाम्रोमत’ केर सम्पादक-प्रकाशक व समस्त व्यवस्थापक प्रति हृदय सँ आभार प्रकट करैत छी।
पहिल विशेषाङ्क जानकी प्राकट्योत्सव अर्थात् सीतानवमी यानि १७ मई २०२४ (४ गते जेठ २०८१) सँ होयबाक पुष्टि कयल गेल अछि। एकर हेडर के डिजाइन सेहो साझा करैत आगू के कारोबार लेल हाम्रोमत व्यवस्थापन द्वारा हमरा सब केँ काज आरम्भ करबाक निर्देशन देलनि अछि।
हम आह्वान करैत छी जे विराटनगर आ आसपासक तीनू जिलाक लेखक-समाचारदाता लोकनि, विद्यार्थी भाइ-बहिन लोकनि आ विचारक लोकनि मैथिली मे लेखन करी आ अपन लिखल सामग्री हमरा +9779801722981 पर या जितेन्द्र ठाकुर जीक +9779852034986 पर व्हाट्सअप सँ अथवा [email protected] या [email protected] या [email protected] पर पठाकय प्रकाशन मे समुचित सहयोग करी।
संगहि, हाम्रोमत पत्रिकाक सब कियो ग्राहक सेहो बनिकय विज्ञापन सहयोग सँ एहि पेज केर प्रकाशन खर्च सेहो जुटाबी, सेहो विशेष आग्रह मैथिलीभाषी समाज सँ कय रहल छी। धन्यवाद!!
हरिः हरः!!