११ मई २०२४, मैथिली जिन्दाबाद!!
१७ मई ‘सीतानवमी’ दिन सँ नेपाल मे मैथिली सिनेमा ‘मिलन’ केर प्रदर्शन
२०२४ मैथिली सिनेमा लेल शुरुए सँ सफलताक स्वाद दियए लागल अछि। ५० वर्षक इतिहास मे बहुत कम सिनेमा लोकचर्चित होइ मे सफल भेल। तेहेन लोकचर्चित सिनेमा “मिलन” केर प्रदर्शन भारतक विभिन्न सिनेमा घर मे विगत मास मे आरम्भ भेल आ एक-एक सिनेमा घर मे हप्तों-हप्तों धरि चलल। एहि फिल्म केर स्टार अभिनेता संजीव पूनम मिश्र आ निर्माण-संयोजक संतोष कुमार झा सहित अन्य कलाकार लोकनि जबरदस्त प्रचार-प्रसार करैत देखायल छलाह। सोशल मीडिया मे सेहो ‘मिलन’ मैथिली फिल्म सँ पब्लिक केर प्रतिक्रिया सब आबि रहल छल। एकटा पारिवारिक सिनेमा रूप मे ‘मिलन’ नीक सफलता हासिल कयलक विश्लेषक लोकनि सेहो बतौलनि। संतोष कुमार झा मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी देलनि अछि जे सीतानवमी यानि १७ मई सँ ई फिल्म नेपालक विभिन्न शहर मे प्रदर्शित होयत। विदित हो जे भारत मे निर्मित कोनो फिल्म केँ नेपाल मे प्रदर्शन लेल एहिठामक सेंसरशिप प्रक्रिया सँ गुजरलाक बादे प्रदर्शनक अधिकार भेटैत छैक। मिलन फिल्म केर सेंशरशिप प्रक्रिया भारत मे रिलीज उपरान्त चलाओल गेलैक, तेँ नेपालक सिनेमा घर मे एकर प्रदर्शन कनेक विलम्ब सँ होबय जा रहल छैक।
अभिनेता संजीव पूनम मिश्र मैथिली जिन्दाबाद संग बातचीत मे बतौलनि जे मैथिलीक बड पैघ दर्शक नेपाल मे रहैत छथि, हुनका सभक आशीर्वाद सेहो भेटय एहि फिल्म केँ। अपन जीवन मे ओना त कतेको रास फिल्म मे अभिनय करबाक अछि, परञ्च मिलन मे किछु अलग आ खास मेहनति कएने छी। दर्शक सँ जखन प्रेम भेटैत छैक तखनहि मेहनति सफल मानल जाइछ। संजीव सब दर्शक सँ आशीर्वादक याचना कयलनि अछि। संगहि ओ कहलनि जे दर्शक केर सुझाव-सलाह सँ मैथिली फिल्मक भविष्य आर नीक होयत, तेँ सिनेमा देखलाक बाद अपन सुझाव सेहो जरूर देबनि।
कतय-कतय आ कोन-कोन सिनेमा हॉल मे लागि रहल अछि ‘मिलन’
१७ मई सँ विराटनगर, राजविराज, जनकपुर आ लहान में प्रदर्शित भ’ रहल अछि *मिलन*। सिनेमा हॉल केर लिस्टः
१. आशा सिनेमा, जनकपुर
२. गिरिजा २K, जनकपुर
३. शिवशंकर सिनेमा, राजविराज
४. अरुण सिनेमा २K, विराटनगर
५. हिमालय सिनेमा, विराटनगर
६. पशुपति सिनेमा, लहान
मैथिली दर्शक संग-संग सिनेमाप्रेमी समस्त नेपाली जन-गण-मन सँ अनुरोध जे ‘मिलन’ केँ जरूर देखी। संगहि एहि दिन सब गोटे घर-घर मे जानकी जन्मोत्सव सेहो मनाबी।
