Search

अपने स्वस्थ तखने परिवार स्वस्थ रहत

310 भ्यूज

लेख

श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला

#लेखनी_के_धार# वृहस्पतिवार
प्रेषित: अमित जी

विषय:- “बढ़ैत उम्र के संग कोना करी अपन #स्वास्थ्यकेदेखभाल !”

दू पीढ़ीक बीच जीवन बहुत किछु बुझा रहल अछि, एकटा के आँखि मे जीबाक अभिलाषा, एकटा के आँखि पूरा जीवनक परिभाषा।

◆ एक तरफ घरक बाल बच्चा के स्वास्थ्यक चिंता!
हम मात-पिता छी तs धिया-पुता के स्वास्थ्यक चिंता तs रहबै करत। चाहे बच्चा छोट हुए या नम्हर उनकर सभहक खान पान सs लs क कपड़ा-लता तक के देखभाल आरु उनकर सभहक भविष्यक चिंता में हमेशा मात-पिता चिंतित रहय छथिन। उ देखरेख बेहतर सँ बेहतर हुए ताहि लेल कोनो सs कोनो समझौता करय लेल तैयार रहय छथिन। चाहे उ अपन स्वास्थ्य किआ नै रहय। अगर दु पाई अपना पर खर्चा भेल तs बाद मे कहिं उ दु पाई लेल बच्चा सभहक भविष्य नै खराब भs जाय।

◆दोसर तरफ घरक बुजुर्ग के स्वास्थ्यक देखभाल !
जखेन हम बेटा-पुतौह या बेटी- दमाद छी तs अपन-अपन घरक जन्मदाता के देखभाल के जिम्मेदारी सेहो आबि जाइ छै । खासकर ओहेन बुजुर्ग जे चलsफिरs मे असमर्थ रहैय छथिन। उनकर सभहक स्वास्थ्यक चिंता तs हमेशा रहैत छैन। औषधि सs लs कs उनकर सभहक साफ-सफाई तक के ख्याल राखैय पड़ई छैन। दिन हुए या राति हमेशा अपना आपके जगा कs राखैय पड़ई छै। एहि देख रेख मे अप्पन स्वास्थ्य के प्रति ओतेक ध्यान नहि दs पाबै छथिन।

◆ एहि दु पीढ़ी के देखभाल में बिचला खाड़ी के सदस्य!
जखने एहि धरा पर जन्म भेल तखने जिम्मेदारी सँगे-सँगे आयल। बच्चा मे तs मात-पिता स्नेह लूटा लूटा कs देख रेख कैल्क। मुद्दा एहि खाड़ी मे हमरा सभहक अपन बच्चा संग-संग अपन घरक बुजुर्ग के देख रेख आरु अपन रोजगार या घरेलू काज मे अप्पन स्वास्थ्य लेल समय के आभाव मे हम बिचला खाड़ी अपन स्वास्थ्य पर ओतेक ध्यान नहि दs पबैत छियै ख़ास क कs महिला सदस्य तs एकदमे !

● अगर एहि धरा पर स्त्री रूप मे जन्म भेल तs स्त्रीके गुण खुद ब खुद आबि जाय छै एहि गुण में सबसँ बड़का गुण अपन बीमारी के छुपेनाई । एहि गुण के अपन अंदर सँ खत्म करूँ आर समय पर अपन इलाज कराऊ।

●अगर अहां डाइट पर छी त ध्यान राखब जे अहां के फैटी फूड्स सं बचय पड़त.

●शरीरक बहुत रास समस्याक समाधान पानि अछि। अगर अहां अपना के हाइड्रेटेड राखब त अहां के त्वचा सेहो चमकैत रहत. नीबूक पानि पीला सं पाचन क्षमता सेहो मजबूत होइत अछि।

●जलखई कहियो नहि बिसरब। दिन के शुरुआत पौष्टिक नाश्ता सs करू। एहि सँ अहाँक शरीर मे ऊर्जा बनल रहत।
महिला के डाइटिंग के बेसी चिंता नै करबाक चाही। स्वस्थ भोजन करू आ खूब व्यायाम करू।

●स्वास्थ्य के अलावा महिला के अपन त्वचा के सेहो विशेष ध्यान राखबाक चाही। व्यावसायिक रासायनिक उत्पाद के बजाय त्वचा के लेल घरेलू उपाय के ट्राई करू।

अहाँ स्वस्थ्य रहब तs परिवार स्वस्थ्य रहत।

Related Articles