Search

जानकी मन्दिर जनकपुर: एक परिचय

आलेख

ashok sahani– अशोक कुमार सहनी

जानकी मन्दिर पवित्र हिन्दू धर्मस्थल छी । जानकी अर्थात् सीताक ई मन्दिर ओकर जन्मस्थल जनकपुरमे अवस्थित अछि । ई मन्दिर कें मुगल शैली में बनाएल गेल अछि । नेपालक ख्यातीप्राप्त एहि मन्दिरके कलाक उत्कृष्ट नमुना मानल गेल अछि ।

प्राचिन मिथिलाक राजधानी जनकपुरमें अवस्थित जानकी मन्दिर विश्वभरिक हिन्दुक आस्थाक केन्द्र छी । हिन्दु धर्ममें लोकप्रिय रहल रामायणक सीताक जन्मस्थलमें निर्मित इ मन्दिर भव्य आ आकर्षक अछि । राजकुमारी वृषभानु कुँवरीद्वारा ९ लाख चाँदीक असर्फी खर्च कए निर्माण करावोल गेल मन्दिर रहलाक कारण एकरा नौलखा मन्दिर सेहो कहल जाएत अछि ।

Janaki-Mandirसन् १८९४ में शिलान्यास भऽ सन् १९११ में मन्दिर निर्माण पूर्ण भेल छल । मन्दिर मिथिलाञ्चलबासीक लेल सांस्कृतिक धरोहर सेहो छी । मन्दिरक वार्षिक कैलेन्डर अनुसार जन्मसँ मृत्युधरि प्रायः सम्पूर्ण क्रियाकलाप मिथिला विधि अनुरूप होएत अछि । राम जन्मक अवसरमें प्रत्येक चैतमें रामनवमी, वैशाखमें जानकी नवमी, अगहनमें रामजानकी विआह महोत्सव, आसिन पूणिर्मामें कोजाग्रत, साओन-भादवमें झुला, फागुनमें परिक्रमा सहित मनाओल जेबाक एतुका उदाहरण छी ।

प्रत्येक मासक पूणिर्मा में हजारो श्रद्धालु भक्तजन सहभागी होइत अछि । एहि मन्दिरकें नेपाल सरकारद्वारा विश्व सम्पदा क्षेत्रमें सुचिकृत करवाक प्रयास भऽ रहल अछि । धार्मिक आ सास्कृतिक हिसाबसँ सम्पन्न मैथिली सभ्यताक धरोहरक रुपमें रहल अछि जानकीधाम ।

Related Articles