१३ नवम्बर २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!
– किसलय कृष्ण, समाचार सम्पादक
उन्नैसम शताब्दी’क तेसरे दशक सँ कवि कोकिल विद्यापति’क जीवन पर केन्द्रित फिल्म बनयबाक प्रयास आरम्भ भ’ गेल छल । फलस्वरूप १९३७ मे देवकी बोस’क निर्देशन मे बंगला फिल्म बनल ‘विद्यापति’ नाम सँ, केन्द्रीय भूमिका मे छलाह अभिनेता पहाड़ी सान्याल । ई फिल्म हिन्दी मे सेहो डब कयल गेल । हर्षक बात जे ई एहि बेर ५४म भारतीय अन्तरराष्ट्रीय फिल्म महोत्सव मे इण्डियन क्लासिक कैटेगरी मे प्रदर्शित हैत ।
१९६४ मे प्रह्लाद शर्मा’क निर्देशन मे रिलीज हिन्दी फिल्म विद्यापति मे हुनक चरित्र केँ जीवन्त कयलन्हि भारत भूषण तँ वर्ष २००५ मे निर्देशक संतोष बादल महाकवि विद्यापति-उगना प्रसंग पर केन्द्रित मैथिली फिल्म ‘कखन हरब दु:ख मोर’ बनौलनि आ अभिनेता फूल सिंह बनलाह विद्यापति । नेपाल टेलिविजन पर प्रसारित निर्देशक अरूण कुमार झा’क सिरियल महाकवि विद्यापति मे शैलेन्द्र शुक्ला मुख्य भूमिका मे रहथि तँ दूरदर्शन लेल हिन्दी मे बनल त्रिदीप कुमार निर्देशित धारावाहिक मे प्रसिद्ध अभिनेता अरूण गोविल महाकवि’क भूमिका केँ जीवन्त कयने रहथि । मने महाकवि विद्यापति’क जीवन पर सिनेमाइ काज होइत रहल अछि ।
… मुदा एहि बेर जे काजक चर्च करय जा रहल छी, से कैक अर्थें विशिष्ट काज अछि । जानकी फिल्म्स प्रोडक्शनक निर्माता सुनिल कुमार झा एकटा अतिउत्साही लोक छथि आ से फीचर फिल्म बबितिया’क बाद जखन विद्यापति फिल्म बनयबाक घोषणा कयलन्हि, तँ बहुतो लोक केँ हँसी लागल हेतनि । हमरो कठिन बुझाइत छल । मुदा उद्देश्य प्रति जिद्द आ समर्पण सँ आगू बढ़ैत रहयवला सुनिल जी अन्ततः अपन काज पूर्ण करैत चमत्कृत कयलन्हि अछि ।
लेखक-निर्देशक श्याम भास्कर नवप्रयोग आ परिकल्पना सँ एकटा सकारात्मक काज कयलन्हि अछि, से ट्रेलर देखि कहले जा सकैत अछि । अभिनेता तुषार झा विद्यापति’क रूप मे छथि, जे महाकवि’क बनल – बनाएल स्वरूप सँ अलग अछि आ हमरा निर्माता-निर्देशक’क ई साहस प्रशंसनीय लागल अछि ।
विगत १० नवम्बर केँ एकर ट्रेलर रिलीज भेल अछि आ तकर संयोजन देखि लगैत अछि जे काज नीके भेल अछि आ सम्पूर्ण फिल्म देखबाक योग्य अवस्से हैत । आलोक झा’क संगीत मे अमर आनन्द आ प्रिया राज’क विशिष्ट गायिकी आकर्षित करैत अछि आ सम्पूर्ण गीत सुनबाक उत्कंठा जगबैत अछि । प्रथम दृष्टया अभिनेत्री शिवानी झा बेसी भारी पड़ैत बुझा रहल छथि अभिनेत्री साक्षी मिश्रा पर । सेट डिजाइन, वस्त्र विन्यास सेहो अनुकूल लगैत अछि । वीएफएक्स केर सुन्दर प्रयोग कयल गेल अछि । सम्पूर्ण टीम केँ बधाइ । अहाँ सभ सेहो देखू ट्रेलर….