Search

विराटनगर मे त्रिशला गुरुंगक सांगीतिक सन्ध्या आयोजन भेल

प्रियशील चौधरी, विराटनगर। २८ सितम्बर २०२३, मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि दिनांक २७ सितम्बर २०२३ बुध दिन विराटनगर के तृष्णा – द क्रेविंग टेल्स एयरपोर्ट रोड स्थित चर्चित रेस्टोरेन्ट मे नेपालक प्रसिद्ध गायिका त्रिशला गुरुंग केर सांगीतिक सन्ध्या आयोजित भेल। एहि सांगीतिक सन्ध्या कार्यक्रम मे लगभग २०० दर्शक केर उपस्थिति छल।

त्रिशला अपन गीति एल्बम के लगभग १२ गोट गीत गेने छलीह। अन्तिम मे एकटा देशभक्ति के राष्ट्रगीत सेहो गेने छलीह। हाल मे ओ नेपाल आ पाकिस्तान क्रिकेट मैच जे पाकिस्तान मे आयोजित भेल छल, तहिना नेपाल आ भारत बीच भेल क्रिकेट खेल जे श्रीलंकाक कोलम्बो मे आयोजित भेल छल, ताहि मे नेपाली खेलाड़ी आ क्रिकेट केँ प्रोत्साहन हेतु त्रिशला भाग लेने रहथि आर देशभक्ति के गीत ‘रातो र चन्द्र सूर्य जंगी निशान हाम्रो’ गीत गेने छलीह।

Related Articles