नई दिल्ली, ८ जुलाई, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ संध्या ५ बजे सँ कफी हाउस मे मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली द्वारा राखल गेल बैसार करीब २ घंटा धरि चलल। एहि बैसार मे आगामी २ अगस्त, २०१५ केँ कन्स्टीच्युशन क्लब मे राखल गेल पद्मश्री डा. उषा किरण खाँ केर व्याख्यानमाला कार्यक्रमक प्रारूपक संग-संग आवश्यक तैयारी तथा कोष-प्रबंधन आदि पर चर्चा कैल गेल। एहि बैसारक अध्यक्षता श्रीमती सुधा झा कएलनि। कार्यक्रम आयोजन स्थान पूर्वहि सँ निर्धारित रहबाक कारणे अन्य प्रबंधन लेल आपसी विमर्श करैत मैसामदि सदस्य लोकनि अन्यान्य जिम्मेवारी आपस मे विभाजन कएलनि। विदित हो जे उपरोक्त व्याख्यानमालाक विषय ‘मिथिलाक नारी – नहि छथि बेचारी’ अछि, आर लगभग ३०० सभासदक अपेक्षित सहभागितावला सभागार मे कार्यक्रम राखल गेल अछि। अलग-अलग क्षेत्रक अधिकतम सहभागिता हेतु सम्बन्धित क्षेत्रक विशेषज्ञ सदस्य केँ जिम्मेवारी सौंपल गेल अछि। मैसामदि अपन स्थापनाक समय सँ ई तेसर महत्त्वपूर्ण कार्यक्रम करय जा रहल अछि। एनसीआर मे प्रवासी मैथिल केँ अपन भाषा आ मूल संस्कृति सँ साहित्य-संस्कार सँ जोड़िकय अपन लक्ष्यक तरफ अग्रसर एहि संस्था मे संभ्रान्त स्वाबलंबी युवा स्वयंसेवक सदस्यक संङ्गोर सँ संचालित अछि।