
सीतामढी, जुलाई ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

डॉ देवेश कुमार द्वारा सीतामढीक जानकी मन्दिर सहित अन्य विकासक कार्यक जानकारी भरल पत्र पर्यटन मंत्री महेश शर्मा केँ देल गेल ।
पर्यटन मंत्री डॉ महेश शर्मा जी केँ सीतामढ़ी मे सीता जनस्थली और ओकर विकास सँ सम्बंधित पत्र भारतीय जनता पार्टीक स्थानीय नेता तथा युवा अभियानी डॉ देवेश कुमार सौंपलनि।
मंत्री शर्मा सीतामढ़ीक विकास करबाक पूरा भरोसा देलनि, संगहि ईहो जानकारी करौलनि जे रामायण सर्किट वास्ते आबंटित राशि 200 करोड़ मे सँ सिर्फ सीतामढ़ी केर विकास हेतु 100 करोड़ मंजूर कैल गेल अछि। किछु ट्रेन केर रनिंग विस्तार तथा किछेक नव ट्रेन चलेबाक सेहो भरोसा देलनि। मंत्री शर्मा जल्दिये सीतामढ़ी अयबाक सेहो आश्वासन देलनि – ई जानकारी डॉ देवेश कुमार करौलनि।
विदित अछि जे रामायण सर्किट मे मर्यादा पुरषोत्तम राम तथा मिथिलाराजा जनकक पुत्री जानकी संग विवाहक क्रम मे जेना-जेना भ्रमण भेल, ओ सब ऐतिहासिक भूमिकेँ पर्यटन क्षेत्रक रूप मे विकास करबाक वास्ते केन्द्रिय योजना बनाओल गेल अछि। दरभंगा सांसद कीर्ति आजाद केर सेहो सराहनीय भूमिका एहि विकास कार्य मे रहल अछि। जनकपुर सँ सीतामढी आ फेर मधुबनी तथा दरिभंगाक विभिन्न क्षेत्र रामायणकालक अनेको स्मृतिकेँ आइयो सहेजने अछि। जरुर एहि योजनाक पूरा भेला सँ देश-विदेश सँ पर्यटक सब एहि क्षेत्र केर भ्रमण करता आ उल्लेखणीय विकासक संभावना सेहो बढत।