जनकपुरधाम,3 दिसम्बर,2022।मैथिली जिन्दावाद।।मिडिया काउन्सिल मधेस प्रदेशक अध्यक्ष शिवहरि भट्टराई केर निधन भ’गेलैन्ह।नेपाल पत्रकार महासंघ सर्लाही शाखाक साधारणसभामें सहभागी होअब ओ शुक्रदिन साँझ सर्लाही पहुँचल छलथि।
शनिदिन भोरमें होटलक कोठली भीतर मृत अवस्थामें हुनका देखल गेल छल ।लालबन्दी नगरपालिका–१३ पत्थरकोटास्थित होलिडे रिसोर्टमें रहल ६७ वर्षीय भट्टराई शनिदिन मृत अवस्थामे भेटल पुलिस जनोलक अछि।
भट्टराई नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरी शाखा संस्थापक सभापति आ नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्वकेन्द्रीय उपसभापति सेहो समेत छलाह।घटनाक सम्बन्धमें अनुसन्धान भ’रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाही जनोलक अछि