मिथिलाक परम्परागत वाद्यवादन कार्यक्रम सप्तरीमे सम्पन्न

राजविराज, २९ मई २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपाल सङ्गीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठान बालुवाटार, काठमाण्डूद्वारा मिथिलाक परम्परागत सङ्गीत कला, वाद्य, वादन केन्द्रित कार्यक्रम सु-सम्पन्न भेल अछि। प्रतिष्ठानक ‘एक प्रदेश, एक परम्परा’ कार्यक्रम अन्तर्गत मधेश प्रदेशमे व्याप्त मिथिलाक परम्परागत सङ्गीत कला, वाद्य, वादन सम्बन्धी कार्यक्रम अइ जेठ १४ गते (शनि दिन) सप्तरी स्थित प्रसिद्ध शक्तिपीठ छिन्नमस्ता मन्दिर कात रहल गामपालिका सभागृहमे आयोजन भेल।
‘परम्परागत तथा शास्त्रीय सङ्गीत’ विभाग प्रमुख धीरेन्द्र प्रेमर्षिक अध्यक्षता, मधेश प्रदेशक अर्थ मन्त्री शैलेन्द्र साहक प्रमुख आतिथ्य, छिन्नमस्ता गामपालिकाक नव निर्वाचित अध्यक्ष विद्यानन्द चौधरी, मिलाफ नेपालक संस्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र आ मिलाफ नेपालक अध्यक्ष रमीला साहक विशिष्ट आतिथ्य रहल छल। वरही, विरपुरक कलाकारलोकनिद्वारा मिथिलाक लोकबाजा पिपही बजबैत कार्यक्रमक शुरूआत भेल छल। उक्त कार्यक्रममे मिथिलाक परम्परागत वाद्य, वादनक अवस्था, एकर लोप हएबाक वा भ’ रहल कारण आ समस्या, संरक्षण लेल कएल जाएवला प्रयास आ समाधान सम्बन्धी मिहि ढंगे देवेन्द्र मिश्रद्वारा कार्यपत्र प्रस्तुतीकरण कएल गेल। प्रसिद्ध हास्य-कलाकार एवं मिलाफ नेपाल सदस्य जीवछ दास आ मिलाफ नेपाल संस्थापक सदस्य शम्भू श्री टिप्पणीकर्ताक रूपमे भूमिका रहल छल। परम्परागत ढोल, रसनचौकी (पिपही), नकुवा, मृदङ्ग, डफरा, बौसली, भठिया-डिगड़ी, झुनझुना, झालि, ताशा इत्यादि वादन–प्रस्तुत भेल । छिन्नमस्ता १ विरपुरक कलाकारद्वय तिलेश्वर राम, झवर राम, जोगिन्द्र राम, वद्री राम, राजदेव राम, डम्बर राम, कपलेश्वर राम आ लखन रामद्वारा ‘डफरा-बौसली’ प्रस्तुति राखल गेल छल। छिन्नमस्ता ५ लोखरमक कलाकारद्वय देव नारायण साह, तेतर खत्वे, तुलसी खत्वे, विश्वेशवर खत्वे। वरिष लाल खत्वे आ झलेश्वर खत्वेद्वारा ‘भगैत गायन-वाद्यवादन’ प्रस्तुति राखल गेल छल। तहिना किसन राम, मनोज राम, इत्यादी १० गोटेक समूहद्वारा ‘रसनचौकी’ प्रस्तुत राखल गेल छल।
मिलाफक सह-सचिव तथा लोक गायक सुभाष विरपुरिया सम्पूर्ण प्रस्तुतिसबकेँ संयोजन कएन छलनि। प्रमुख अतिथि मन्त्री साह मधेश साहित्य-कला प्रतिष्ठानक काज आगाँ बढ़ल कहैत ‘एक प्रदेश, एक परम्परा’ अभियानके अपन आर्थिक वर्षक कार्य नितिमे समावेश कएल जएबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि। नव निर्वाचित अध्यक्ष चौधरी अपन कार्यकालक पहिल कार्यक्रममे सहभागी भेलापर गौरवान्वित होइत समाजक विकृतिकेँ चित्रण करैत संस्कृति संरक्षण लेल प्रभावकारी एवं सृजनात्मक डेगसब उठाएब कहलनि। उक्त कार्यक्रममे छिन्नमस्ता गाउँपालिका सप्तरी आ मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल (मिलाफ नेपाल ) राजविराजक स्थानिय व्यवस्थापन तथा सहकार्य रहल छल। सम्पूर्ण कार्यक्रमके संचालन मिलाफ नेपालक सचिव विद्यानन्द वेदर्दी कएने छलाह।