सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। १ मई २०२२, मैथिली जिन्दाबाद!!
जदयू नेत्री सह आरापट्टी पंचायत केर निवर्तमान मुखिया शांतिलक्ष्मी चौधरी कहलनि अछि जे राज्य मे महिला लोकनि लेल चाहे राजनीति या फेर रोजगार मे भागीदारी केर गप हो अथवा सामाजिक सुधार व कुरीति केर उन्मूलनक, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जतेक उल्लेखनीय कार्य कयलनि अछि तकर असर सरजमीन पर देखय मे आबय लागल अछि । ओतहि बिहार महिला सशक्तिकरण के परिपेक्ष्य मे आइ देश मे एकटा अभयारण्य प्रक्षेत्रक रूप मे स्थापित भ रहल अछि। जतय नारीशक्ति विभिन्न कार्यक्षेत्र मे अपन उपस्थिति बना रहल अछि। आब आवश्यकता अछि प्रदेशक ग्रामीण इलाका मे लाभ सॅं छुटल परिवार तक सेहो सरकार द्वारा देल जा रहल अवसर उपलब्ध करेबाक ताकि मुख्यमंत्रीक सपना अनुरूप विकसित बिहारक लक्ष्यक प्राप्ति कयल जा सकय। निवर्तमान मुखिया आगू कहलनि जे महिला जदयू प्रदेश अध्यक्षा श्वेता विश्वास एकटा योग्य आ चुम्बकीय व्यक्तित्वक राजनेत्री छथि। हिनका सहरसा अएला सॅं महिला कार्यकर्ता लोकनि मे एकटा नव उर्जाक पुनर्संचरण भेल अछि। ओ शुक्र दिन होटल कोशी बिहार मे महिला जदयूक एकदिवसीय संगठनात्मक बैठक केर संबोधित करैत कहलनि जे प्रदेश अध्यक्षा महिला संगठनक कार्यक समीक्षा, संगठनक मजबूतीकरण आ विस्तारक संभावनाक आकलन आओर नीतीशक कार्यक्रमक लाभ केॅं गाम गाम तक पहुंचेबाक रणनीति पर विचार करबा हेतु सहरसा आयल छली। सभ वर्गक महिलागण सॅं भेॅंट क अपन अयबाक उद्देश्य साझा क कार्यकर्त्ता लोकनिक मंतव्य ल क गेल छथि। हुनकर मन्तव्य आयल जे सहरसाक महिला कार्यकर्ता लोकनि मे बहुते रास लोक काफी अनुभवी आ सुयोग्य छथि। ई लोकनि समर्पित भ क काज सेहो करय चाहैत छथि जिनका जिला आ प्रदेश स्तर पर नव जिम्मेदारी सौंपबाक जरूरति अछि।