Search

६ सँ ८ अप्रैल जनकपुरधाम साहित्य, कला तथा नाट्य महोत्सव २०७८ केर आयोजन

जनकपुरधाम, २८ मार्च २०२२। मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली विकास कोष जनकपुर द्वारा आगामी ६ सँ ८ अप्रैल २०२२ (२३ सँ २५ गते २०७८) तीन दिवसीय जनकपुरधाम साहित्य, कला तथा नाट्य महोत्सव २०७८ केर आयोजन कयल जायत। ई जानकारी मैथिली विकास कोष केर अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी करौलनि अछि। ओ कहलनि जे राजा जनकक विमर्श स्थल प्राचीन मिथिलाक राजधानी जनकपुरधाममे ई आयोजन होयत जाहि मे सब कियो सहभागी भ’ सफल बनाबथि ताहि लेल आह्वान अछि।

आयोजक द्वारा जारी कयल गेल सार्वजनिक आमंत्रण पत्र

विदित हो जे साहित्य, कला आ रंगकर्म सँ जुड़ल विभिन्न विषयक सत्रवार चर्चाक ई आयोजन विगत कतेको वर्ष सँ निरन्तरता मे आयोजित होइत आबि रहल अछि। हालांकि कोरोना महामारीक कारण विगत दुइ वर्ष सँ एहि आयोजन मे रुकावट आबि गेल छल। एहि कार्यक्रम मे नेपाल आ भारत केर विभिन्न स्थान चर्चित विद्वान्, लेखक, साहित्यकार, राजनीतिक विश्लेषक, रंगकर्मी समूह आदिक वृहत् स्तर के सहभागिता होइत अछि। बहुत रास समसामयिक आ सान्दर्भिक विषय पर आधारित सत्र मे विभिन्न वक्ता आ विचारल लोकनि द्वारा विमर्श शैली मे विचार राखल जाइत अछि। एहि बेरुक आयोजनक उद्घाटन लेल सम्भावित प्रमुख अतिथि नेपालक सम्माननीय प्रधानमंत्री शेर बहादुर देउवा छथि। ओतहि विमर्श मे सेहो अनेकानेक राजनेता व साहित्यिक वेत्ता लोकनिक सहभागिता सुनिश्चित अछि।

Related Articles