13 फरवरी 2022 । मैथिली जिन्दाबाद!!
श्रृंखला ५१ आ सम्मान समर्पणक संग MiLAF क चारिम वार्षिकोत्सव सम्पन्न।
मिथिलाक दू सितारा दू सम्मानसँ सम्मानित..
दिनाङ्क २०७८ साल माघ २९ गते आइ शनि दिन मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल (MiLAF Nepal) के चारिम वार्षिकोत्सव सु-सम्पन्न भेल अछि।
मधेश प्रदेशक अर्थ मन्त्री शैलेन्द्र प्रसाद साहक प्रमुख आतिथ्यमे आ मिलाफ अध्यक्ष श्रीराम मण्डलक अध्यक्षतामे राजविराज नगरपालिका, सप्तरीक सभागृहमे आयोजित वार्षिकोत्सव कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि। कार्यकर्ममे पूर्व सांसद रञ्जु ठाकुर, मैथिलीक प्रसिद्ध साहित्यकार शिवनारायण पंडित ‘सिंगल’ आ पहिचानवादी युवा नेता विकास तिवारीक विशिष्ट आतिथ्य रहल छल।
उक्त वार्षिकोत्सव कार्यक्रममे दूटा शत्र राखल गेल छल – मैथिली साहित्यिक एवं साङ्गीतिक श्रृंखला ५१ आ सम्मान समर्पणक।
प्रमुख अतिथिक मन्त्री शैलेन्द्र साह कहलनि, ” काेनाे समुदायकेँ अन्त करवाक लेल ओकर भाषाकेँ मारि देल जाइ छै जेँ कि एही ठाम शुरुयेसँ एक भाषाके नीति रहल छै। बहुत जल्दी ई मधेश प्रदेशमे भाषा-सँस्कृति कला प्रतिष्ठान गठन कएल जाएत आ सरकारी कामकाजी भाषा निर्धारण कएल जाएत। देशक दाेसर भाषा मैथिली छी आ एहि प्रदेशमे सबसँ बेसी बाजल जाएवला भाषा मैथिली छी । तइँ मैथिलीके सरकारी कामकाजक भाषा बनेबाक लेल संघर्षरत छी आ प्रतिवद्धता सेहो जनबैत छी। ”
सम्मान समर्पणक शत्रमे “सुखी- फुलाे मिथिला गाैरव सम्मान २०७८” आ “दीना-भद्री मिथिला माटि सम्मान २०७८” मैथिली कलाकारिता क्षेत्रक दू सिद्धहस्त सिताराकेँ समर्पण कएल गेल।
● दीनाभद्री मिथिला माटि सम्मान २०७८ :-
सप्तरी जिला, खुरहुरिया, मलेकपुर ६ (सम्प्रति : खर्साल टोल) निवासी, माए दुखनी देवी आ बाबु नटाई रामक सुपुत्र लोकगाथा गायक एवं लोक नाच कलाकार सातैन रामकेँ मिथिलाक माटिमे प्रादुर्भूत लोकनायक दीना-भद्री आ राजा सलहेसक लोकगाथा गायन कऽ सङ्गहि लोक नाच जङ्गली बादशाह, रूनाझुना, रामदया, इत्यादीमे चारि दशकसँ अभिनय कऽ मैथिली भाषाक लोक सँस्कृतिकेँ जन-जनमे परसि जियाबैत रहबाक लेल मिथिला-मैथिलीप्रति समर्पण आ योगदानक उच्च कदर करैत वि.सं. २०७८ (२०२२ ईश्वी) क दीना-भद्री मिथिला माटि सम्मान समर्पण कएल गेल।
● सुखी-फूलो मिथिला गौरव सम्मान २०७८ :-
सप्तरी, विष्णुपुर गागमपालिका ७, ईटहरी गाम निवासी, बाबू रामेश्वर मण्डल आ माए सिस्वा देवी मण्डलक सुपुत्र सुप्रसिद्ध हास्य कलाकार भुपेन्द्र मण्डलकेँ वि. सं. २०६६ सालसँ भोरुकवा एफ. एम. ९२.८ मेगाहर्जमे कार्यरत भऽ सात वर्षधरि नुन-मिर्चाइ आ लोटपोट कार्यक्रम मादे आ अखनधरि गाम-देश-विदेशक मञ्च सङ्गहि विगत आधा दशकसँ यूट्युब-सँसारसँ जीवीकोपार्जन करैत हास्य क्षेत्रसँ देश-विदेशधरि मनोरञ्जन आ चेतनामूलक साम्रगीसँ मैथिली भाषाक लोकप्रियता जन-जनक जीहपर बढ़ाबऽ लेल सप्तरी पत्रकार महासंघक वर्तमान सदस्य, मैथिली पत्रिका विदेहराज होइत नटखट दैनिक सहित विरूवा साप्ताहिकक सह-सम्पादक निर्वहन कएनिहार आ मैथिली साहित्य परिषद, राजविराजक आजीवन सदस्य मिथिला-मैथिलीप्रति समर्पण आ योगदानक उच्च कदर करैत वि.सं. २०७८ (२०२२ ईश्वी) क सूखी-फूलो मिथिला गौरव सम्मान समर्पण कएल गेल।
सुखी-फूलो मिथिला गौरव सम्मान २०७८ ( रू. २१००) दोसल्ला आ सम्मान सहित मन्त्री साह आ दीना-भद्री मिथिला माटि सम्मान २०७८ दोसल्ला सहित पूर्व सासंद रञ्जू ठाकुरक हाथे सम्पर्ण कएल गेल।
रंजु ठाकुर, शिवनारायण पण्डित, देवेन्द्र मिश्र , कृष्ण मैथिल, शुभचन्द्र झा, करुणा झा, अशाेक अमन, सराेज राम, मीना गुप्ता, रमिला साह , भुपेन्द्र मण्डल ,सातैन राम सहितका वक्तासब शुभकामना व्यक्त कएलनि। करुणा झा, अशाेक अमन गजल आ सरोज राम होरी गीत प्रस्तुत कएलनि।
सम्मानक क्षण भाव विभोर होइत मण्डल कहलनि , ” मैथिली खेतमे आइधरि जे खटैत रहलौँ तेकर बोनि भेटि गेलै। लाख-करोड़ोसँ अमूल्य ई सम्मान हमरा भेटि गौरवान्वित भेलौँ। मैथिली भाषा, सँस्कृति लेल सदा समर्पित छी आ रहब।” तहिना सम्मानित राम मरि रहल लोक सँस्कृतिकेँ पुन्ह: जगाबऽ कए काजमे भिड़ऽ पड़त कहैत दीना-भद्री गाथा सुनेलनि।
सम्पूर्ण कार्यक्रमक सञ्चालन मिलाफ संस्थापक सदस्य शम्भु श्री कएने छलनि ।