जानकी मन्दिर जनकपुर केँ विश्व सम्पदा सूची में सूचीबद्ध करबाक मांग कयलथि मधेशी आयोग प्रमुख

काठमांडू, 6 फरवरी 2022 । मैथिली जिन्दाबाद!!

जानकी मन्दिर कें विश्व सम्पदा सूचीमे सूचीकृत करबाक हेतु एवम् अन्य सांस्कृतिक स्थलसभक व्यवस्थापन करबाक हेतु संस्कृति मन्त्रीकें मधेशी आयोग अध्यक्षक पत्र सौंपल गेल अछि।

 

मधेशी आयोगक अध्यक्ष डा.विजयकुमार दत्त आजुक दिन संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्री प्रेम आले कें जानकी मन्दिर कें विश्व सम्पदा सूचीमे सूचीकृत करय वास्ते आवश्यक व्यवस्था यथाशीघ्र कय देबाक मांग सहित के पत्र लिखलनि अछि।

अध्यक्ष डा. दत्त सप्तरी स्थित सखड़ेश्वरी मन्दिरकें सार्वजनिक व्यवस्थापन, राजविराज स्थित राजदेवी मन्दिर जे पुरातात्विक अध्ययन सँ तेसर शताब्दीक रहल, बलान-बिहुल गा.पा-३ मौवाहाकें करिब २ सय बर्ष पुरान लक्ष्मीनारायण मन्दिरक आवश्यक विकास तथा व्यवस्थापन, धनुषा जिल्लाक धनुषाधाम, महोत्तरीक जलेश्वरनाथ, सर्लाही एवं रौतहट जिल्लाक बीच मे रहल नुनथर. वारा जिल्लाक गढीमाई, मोरंग जिल्लाक विराटनगर सहित विराट दरबार, बाँके जिल्लाक नेपालगंज स्थित बागेश्वरी मन्दिर सहितक जिल्लासभक सांस्कृतिक स्थलसभ कें उचित तथा यथाशीघ्र विकास क सांस्कृतिक, पर्यटन सँ मुलुककें आर्थिक बल पहुचाबक बात रहल उल्लेख क स्थल सभक उचित विकास करय समेत के व्योरा पत्रमे उल्लेख कयल गेल अछि | अध्यक्ष डा. दत्त ओहि क्षेत्रसभक स्वयं स्थलगत अनुगमन कयने छथि आर स्थानीय विज्ञ सभक संग सहकार्य करैत उपरोक्त मांग सहित के पत्र मंत्री केँ सौंपलनि अछि।

पत्रक प्रतिलिपि: