३ फरवरी २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अंधराठाढ़ी प्रखंड अध्यक्ष विक्रम मंडल संग झंझारपुर जिलाध्यक्ष सदाय एवं महासचिव झा, फोटोः राजेश झा
भारतीय गणराज्य मे मिथिला राज्यक पुनर्स्थापनाक मांग लेल आन्दोलनरत संस्था मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा प्रत्येक जिला आ प्रखंड स्तर पर संगठन निर्माणक काज आरम्भ भेल अछि। १४ जनवरी २०२२ सँ सदस्यता मुहिम केर शुभारम्भक बाद आब प्रत्येक प्रखंड आ जिला स्तर पर कार्यकारिणीक गठन सेहो आरम्भ करबाक जानकारी महासचिव राजेश झा करौलनि अछि। मिरानिसे के अध्यक्ष रंगनाथ ठाकुर द्वारा संगठन विस्तार लेल सम्पूर्ण अधिकार महासचिव राजेश झा केँ देल जेबाक पत्र सेहो जारी कएने रहथि। तदनुसार फरवरी १ तारीख सँ झंझारपुर संसदीय क्षेत्रक हरेक प्रखण्ड मे महासचिव आ टीम द्वारा जमीनी कार्यकर्ता सब सँ सम्पर्क करैत एकटा ठोस सांगठनिक स्वरूप ठाढ़ कयल जा रहल अछि।
एहि सन्दर्भ मे मैथिली जिन्दाबाद केँ प्राप्त जानकारी अनुसार झंझारपुर केर जिलाध्यक्ष रूप मे रामविलास धांगर सदाय केँ मनोनीत कयल गेल अछि। तहिना अंधराठाढ़ी प्रखण्डक अध्यक्ष केर तौर पर विक्रम मंडल केँ मनोनीत कयल गेल अछि। महासचिव राजेश झा जनतब देलनि अछि जे “रामविलास धांगर सदाय लॉ ग्रेजुएट छथि और सामाजिक-राजनीतिक रूप सँ लगातार सक्रिय रहैत छथि। दिनांक ४ फरवरी दिन शुक्रवार केँ अंधराठाढ़ी पंचायत भवन पर एक वृहत कार्यक्रम द्वारा एहि प्रखंड अंतर्गत विभिन्न पंचायतक अध्यक्ष और प्रखंड कार्यकारिणीक सेहो घोषणा कयल जायत आर समस्त मनोनयन केँ कार्यकारिणी द्वारा पारित कयल जायत। १ फरवरी २०२२ केँ ई काज अंधराठाढ़ी मे सम्पन्न भेल अछि।

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक मधेपुर प्रखंड अध्यक्ष संग मुरैना (सुपौल) प्रखंड अध्यक्ष व अन्य पदाधिकारी, फोटोः राजेश झा
तहिना मधेपुर प्रखंड मे मिरानिसे सहयोगी ज्योति झाक अध्यक्षता मे सम्पन्न बैसार द्वारा २ फरवरी २०२२ केँ मधेपुर प्रखण्डक कार्यसमितिक गठन कयल जेबाक सूचना सेहो भेटल अछि। महासचिव झा कहलनि जे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक सांगठनिक बैठक मधेपुर मे संपन्न भेल। एहि बैठक द्वारा सामाजिक कार्यकर्ता दीपक विश्वकर्मा केँ मधेपुर और संतोष यादव केँ मरौना प्रखंड (सुपौल) केर अध्यक्ष मनोनीत कयल गेलनि। संगहि रामलोचन पासवान और शुभम झा केँ प्रखंड उपाध्यक्ष तथा मनोज साफी व जय शंकर मिश्र केँ प्रखंड महासचिव मनोनीत कयल गेलनि। विमल कुमार केँ प्रखंड सचिव केर दायित्व प्रदान कयल गेलनि। आइ ३ फरवरी दिन बृहस्पतिवार केँ मधेपुर मे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक आधिकारिक बैठक ज्योति बाबूक अध्यक्षता मे होयत जाहि मे सब पंचायतक अध्यक्ष सहित समस्त मनोनयन केँ विस्तृत कार्यकारिणी द्वारा अनुमोदन प्रदान कयल जायत।

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक लखनौर प्रखंड अध्यक्ष व अन्य पदाधिकारी, फोटोः राजेश झा
आइ ३ फरवरी समाचार लेखन धरि प्राप्त सूचना मुताबिक लखनौर प्रखंडक कार्यकारिणीक सेहो मनोनयन सम्पन्न भऽ गेल अछि। एहि सन्दर्भ महासचिव झा कहलथि अछि जे मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा विमल कृष्ण ठाकुर केँ लखनौरक प्रखंड अध्यक्ष मनोनीत कयल गेलनि अछि। संगठन निर्माण मे बेलौंचाक मुरारी ठाकुर केर महत्वपूर्ण सहयोग प्राप्त भऽ रहल अछि। आगामी १४ फरवरी दिन सोमवार केँ लखनौर प्रखंड कार्यकारिणीक आधिकारिक बैठक होयत जाहि मे सब प्रदत्त सांगठनिक दायित्वक अनुमोदन कयल जायत। लखनौर केर सहयोगी लोकनिक आशीर्वाद भेटैत रहय।
गौर करयवाली बात यैह छैक जे लग्गी सँ घास काटयवला दुर्गुणक कारण मिथिला राज्य आन्दोलन आइ धरि माटि नहि पकड़ि सकल अछि, लेकिन मिथिला राज्य निर्माण सेनाक प्रयत्न एहि दिशा मे सराहनीय छैक आ ताहू मे राज्यक असल लाभार्थी यानि वंचित, उत्पीड़ित आ उपेक्षित समुदाय केर हाथ मे नेतृत्व प्रदान करबाक बातक वास्तव मे खूब सराहना कयल जा रहल अछि।