प्रदेश २ मे समाजवादी संस्कृतिकर्मी संगठन निर्माण

विद्यानन्द बेदर्दी, राजविराज। ३१ दिसम्बर २०२१। मैथिली जिन्दाबाद!!

  • गीतकार भूषण सिंह ‘भँवर’ क अध्यक्षतामे २९ सदस्य सहित ‘समाजवादी साँस्कृतिक महासंघ, सप्तरी’ गठन ।
  • २२ गोटे पहिचानक आन्दोलनमे योगदान देनिहार कलाकारकेँ सम्मान।
  • व्यवस्था परिवर्तनमे कलाकारसबहक महत्वपूर्ण योगदान अछि : प्रमुख अतिथि मन्त्री साह।

प्रदेश नम्बर २ के अर्थमन्त्री मा. शैलेन्द्र प्रसाद साह वर्तमान शासन व्यवस्था परिवर्तन करऽ ‍लेल कलाकारसबहक योगदान महत्त्वपूर्ण रहल बतेने छथि । सप्तरी राजविराजमे वृहस्पति दिन समाजवादी साँस्कृतिक महासंघ सप्तरीद्वारा आयोजित कार्यक्रममे बतेने छथि। कार्यक्रममे बाजैत मन्त्री साह पहिचान आ अधिकार सुनिश्चितताक संघर्षमे कलाकारसबहक भूमिका प्रंशसनीय रहबाक बात सेहो कहलनि ।

मधेश आन्दोलनकेँ आगू बढ़बैत उत्कर्षधरि पहुँचेबाक लेल कलाकारसबहक योगदान महत्वपूर्ण रहल अछि। पहिचान आ अधिकार प्राप्तिक आन्दोलनमे कलाकार मित्रसब गीत-सङ्गीत मादे अपनाकेँ ऊर्जा भरबाक दिन मोन पाड़लनि।

वर्तमान शासकीय व्यवस्था परिवर्तनमे कलाकारसबद्वारा कएल योगदानक चर्चा करैत मन्त्री साह हमसब लड़ि-जड़िकऽ आनल गेल व्यवस्था अनुसार गठन भेल प्रदेश सरकार कलाकारसबहक संरक्षण करबाक दायित्व निमाहबाक प्रतिबद्धता जनेलनि ।

प्रदेश २ सरकार सरकार शीघ्र भाषा, संस्कृति प्रतिष्ठान गठन करत बतबैत मन्त्री साह कलाकारसबकेँ प्रदेश सरकार तनमनधनसँ समेत सहयोग करबाक लेल समर्पित रहबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि। समाजवादी साँस्कृतिक महासंघक केन्द्रिय सचिव एवम पूर्व सांसद लक्ष्मी चौधरी जनतामे जनजागरण करऽ संगठनक मुद्दा, समस्या उजागर करऽ कलाकारसबहक पैघ भूमिका रहल करैत अछि ।

समाजवादी साँस्कृतिक महासंघक केन्द्रिय सदस्य गोपाल प्रसाद चौधरीक अध्यक्षतामे आयोजित कार्यक्रममे राजविराज नगरपालिकाक प्रमुख शम्भु प्रसाद यादव, आम प्राधिकरण प्रदेश २ क अध्यक्ष एवं मैसाप राजविराजक उपाध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव, प्रेस मंच नेपाल सप्तरीक अध्यक्ष बृजमान तामाङ , जनता समाजवादी पार्टी नेपालक युसुफ आलम, समाजवादी विद्यार्थी संघक केन्द्रिय सदस्य श्याम कुमार यादव, गीतकार करुणा झा, कलाकारसब मुख्तार आलम, सुभाष विरपुरिया, निर्मला चौधरी, टिक बहादुर तामाङ, गोपाल झा, तेजु मैथिल, देवेन्द्र सोनी, कैलाश झा, भूषण सिंह (भँवर), वीरेन्द्र सप्तरीया लगायतक प्रस्तुति राखैत अपन शुभकामना-शब्द रखने छलनि । कार्यक्रम संचालन विद्यानन्द यादव ( वेदर्दी ) कएलनि ।

कार्यक्रममे पहिचानक आन्दोलनमे योगदान देबऽ २२ गोटे कलाकारसबहक मन्त्री साह सम्मान पत्र आ गमछा ओढ़ाकऽ सम्मान कएने छलनि । सम्मानित कलाकारसबमे करुणा झा, कैलाश झा, तेजु मैथिल, वीरेन्द्र सप्तरिया, टिक बहादुर तामाङ, सुधानन्द झा, सुभाष विरपुरिया, दिल कुमारी चौधरी, लक्ष्मी चौधरी, बद्री नारायण यादव, गोपाल चौधरी, राम कुमार सिंह, राधव झा, फुलेश्वर चौधरी, दिनानाथ चौधरी,गोपाल झा, हरिबंश यादव, निर्मला चौधरी, अशोक कुमार राम, सत्यदेव यादव, कुमार बब्लु लगायत रहल छनि ।

कार्यक्रममे पत्रकार वैद्यनाथ यादव, चन्दन यादव, शौरभ यादव आ विद्यानन्द रामक समेत उपस्थिति रहल छलनि। एहि जुटानसँ सामाजवादी साँस्कृतिक महासंघ जिला कार्यसमिति सप्तरी गठन भेल अछि जेकर व्योरा निम्नलिखित अछिः

● अध्यक्ष : भूषण सिंह ‘भँवर’
● उपाध्यक्ष १ – (वरिष्ठ ) : कैलाश झा
● उपाध्यक्ष २ – अशोक कुमार राम
● महिला उपाध्यक्ष : रमिला साह
● सचिव : विद्यानन्द वेदर्दी
● सह-सचिव १ : देवेन्द्र सोनी
● सह-सचिव २ : गजेन्द्र गजुर
● कोषाध्यक्ष : दिल कुमारी चौधरी
● सदस्य : शुभाष विरपुरिया
सदस्य : कुमार बब्लु
सदस्य: मुख्तार आलम
सदस्य : रामनाथ राम
सदस्य : सरोज सूर्यवंशी
सदस्य : दीपेन्द्र राम
सदस्य : रामकुमार यादव
सदस्य : बद्री नारायण यादव
सदस्य : श्रीराम कुमार मण्डल
सदस्य : सन्तोष सानु
सदस्य : अशोक झा ‘संतोष’
सदस्य : शिवशंकर यादव
सदस्य : तेजू मैथिल
सदस्य : सरोज राम
सदस्य : राम बिलास राम
सदस्य : अर्शद हस्मी
सदस्य : सत्यनारायण राम
सदस्य : टिक बहादुर तमाङ्ग
सदस्य : पंकज कुमार साह
सदस्य : रामकुमार यादव

सल्लाहकार :
निर्माला चौधरी
करूणा झा
सत्यदेव यादव
रामकुमार सिंह
अखिलेश्वर झा
राघव झा
हरिवंश यादव
वीरेन्द्र सप्तरिया
सत्यनारायण राम