मैथिली ठाकुर केँ भेटल राष्ट्रीय पुरस्कार

नई दिल्ली, 24 दिसम्बर 2021।

– विमल जी मिश्र, मैथिली जिन्दाबाद।

#लोकमत_सुर_ज्योत्स्ना राष्ट्रीय म्यूजिक अवार्ड सँ
सम्मानित भेलिह मिथिला के धिया #मैथिली_ठाकुर

#मैथिली_ठाकुर कें ढ़ेर रास आशिर्वाद 🌹🌹
यशस्वी भव 👍👍👍👍👍

एहि राष्ट्रीय म्यूजिक अवार्ड के चयन मे , देश के जानल मानल संगितज्ञ गायक शामिल रहैत छैक । अमजद अली खां, हरिहरन , उदित नारायण, कविता कृष्णमूर्ति , पंडित राजन साजन मिश्र आदि । एहि बेर आठम अवार्ड के चयन मे फिमेल कैटेगरी सँ #मैथिली_ठाकुर आ मेल कैटेगरी मे तामिलनाडु के पियानो आ ड्रम वादक #लीदियन_नादस्वरम चयनित भेलाह । अवार्ड स्वरूप चयनित कलाकार कें (1,00,000) एक लाख रुपया आ मोमेंटो प्रदान कयल जाए छैक ।

लोकमत सुर ज्योत्स्ना अवार्ड देश के गणमान्य व्यक्ति कें कर कमल सँ चयनित कलाकार कें देल जाए छैक । एहि वर्ष के सम्मानित अतिथि मे , पुर्व मुख्यमंत्री जम्मू-कश्मीर
फारुख अब्दुल्ला , अनुराग ठाकुर, दिग्विजय सिंह , प्रफुल्ल पटेल , रामदास आठवले , पंडित राजन मिश्र , अमजद अली खां, अमान अली, इयान अली संगहि दर्जन भरि आऔर
गणमान्य प्रतिनिधि उपस्थित रहथि । विक्रम राठौड़ , सोनाली राठौड़ सेहो।