समाजवादी विद्यार्थी यूनियनक चारिम अधिवेशन पूर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस मे सम्पन्न

१५ दिसम्बर २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!!

चारिम अधिवेशन : ४४ सदस्यक नव आ ऐतिहासिक कार्यकारिणीक गठन कयल गेल
समाजवादी विद्यार्थी यूनियन, पूर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस, धरान (तेसर कमिटी) द्वारा आयोजित ‘चारिम अधिवेशन’ तथा ‘स्वागत कार्यक्रम २०७८’ प्रदेश नं. १, सामाजिक विकास मन्त्री जयराम यादवक प्रमुख आतिथ्य, सुशील यादवक अध्यक्षता आर सन्तोष राउत केर संयोजकत्व मे तिथि-मिति २०७८/०८/२५ गते कैम्पस प्राङ्गन मे सु-सम्पन्न भेल।
एहि कार्यक्रम मे जनता समाजवादी पार्टी नेपाल (जसपा) केर केन्द्रीय सदस्य तथा सुज अभियान प्रदेश नं. १ केर संयोजक दीपक म्यानेङ्गबो, जसपा केन्द्रीय सदस्य भीम राई, जसपा केन्द्रीय सदस्य एवं बहुआयामिक व्यक्तित्व रामरिझन यादव, जसपा केन्द्रीय सदस्य जेन्टल लावती, मिथिला अभियन्ता प्रवीण नारायण चौधरी, जसपा (सप्तरी) जिल्ला अध्यक्ष केदार प्रसाद यादवक विशिष्ट आतिथ्य रहल छल। तहिना समाजवादी विद्यार्थी यूनियन केन्द्रीय सदस्य श्याम कुमार यादव, महेन्द्र बहुमूखी कैम्पस स्ववियू सभापति सागर सरगम, जसपा लिम्बुबान राष्ट्रीय समिति टुपेन्द्र येक्तेन, लिम्बूबान राष्ट्रीय समिति सचिवालय सदस्य नगेन्द्र पारधरी, धरान उपमहानगर कमिटी नगर सह-सचिव आ विद्यार्थी ईन्चार्ज सुमन चेमचोङ्ग, समाजवादी विद्यार्थी यूनियन महेन्द्र बहुमूखी कैम्पस सुनसरी जिल्ला अध्यक्ष मिथिलेश यादव, सह-सचिव ब्रहमदेव यादव, समाजवादी विद्यार्थी यूनियन पूर्वाञ्चल कैम्पस पूर्व अध्यक्ष अटल देव, समाजवादी विद्यार्थी यूनियन महेन्द्र बहुमूखी कैम्पसक अध्यक्ष युवराज राई, उक्त कैम्पसक साथी-संगठन आदिक पदाधिकारी लोकनिक गरिमामय उपस्थिति रहल छल।
कार्यक्रमक उद्घाटन प्रमुख अतिथि मंत्री जयराम यादव द्वारा नेपालक झण्डा उत्तोलन करैत कयल गेल छल। पहिल सत्र मे राष्ट्रगान, नेपाल देश मे विभिन्न क्रान्ति आ परिवर्तन संग राष्ट्रक उन्नति लेल शहादत देनिहार शहीद लोकनि केँ स्मृति-श्रद्धाञ्जलि संग माल्यार्पण आ दीप प्रज्जवलन कय एक मिनट मौनधारण, मिथिला संस्कार अनुसार चर्चित युवा गायक तेजू मैथिल द्वारा गोसाउनि गीत तथा महेन्द्र बहुमूखी कैम्पस सुनसरी द्वारा राई-लिम्बू सामुदायक साँस्कृतिक नृत्य प्रस्तुत कयल गेल छल।
दोसर सत्र मे IOE Entrace Exam मे उत्कृष्ट Rank प्राप्त कयनिहार पूर्वाञ्चल कैम्पस २०७७ Batch मे अध्ययनरत छात्र प्रसित पौडेल आर छात्रा निकिता साह केँ ‘ट्रफी’ व सम्मानपत्र सँ सम्मान कयल गेल छल। तेसर सत्र मे २०७८/०८/२४ गते किरण कुमार श्रेष्ठक संयोजकत्व मे गठन कयल गेल समाजवादी प्राध्यापक संघ, पूर्वाञ्चल क्याम्पस केर पहिल कार्यकारिणी समितिक स्वागत कयल गेल छल। उक्त कमिटी मे प्राध्यापक श्रेष्ठ संग अच्यूत भट्टराई एवं राजु घिमिरेक उपस्थिति छल।
चारिम सत्र मे ईलेक्ट्रिकल तेसर वर्ष अध्ययनरत कमलेश ठाकुरक अध्यक्षतमा ४४ सदस्यक चारिम कार्यकारिणी समितिक गठन कयल गेल अछि। वरिष्ठ उपाध्यक्ष मे राजेश यादव, सचिव मे रामप्रवेश साह, सह-सचिव मे युगल लिम्बू, कोषाध्यक्ष मे सोनम चौधरी सहित विभिन्न पद एवं सदस्यक रूप मे कुल ४४ सदस्य केर कार्यसमिति गठन भेल अछि।
पाँचम सत्र मे प्रत्येक वर्ष आयोजन कयल जायवला ‘SOCIALIST FRESHERS’S CUP 2078’ प्रमुख अतिथि यादव द्वारा ९ टा टीमक कप्तान सब केँ बैट-बल आ विकेट हस्तान्त्रण कय केँ उद्घाटन कयल गेल छल। कार्यक्रमक बीच मे सम्पूर्ण विशिष्ट अतिथि सहित कैम्पसक अभिवाभक पूर्व प्राध्यापक महेन्द्र प्रसाद यादव, प्राध्यापकद्वय रामचन्द्र मण्डल, रामदयाल यादव, तन्त्रनाथ झा, भरोष यादव, समाजवादी प्राध्यापक संघक अच्यूत भट्टराई द्वारा मौलिक पहिचानक संरक्षण, सुदृढ़ीकरण, देश निर्माणक लेल राजनीति मे युवा, शैक्षिक विकास, रङ्गक भेदभाव, राष्ट्रद्वारा कयल गेल विभेद, एकल शासन द्वारा शोषण, स्वस्थ राजनीतिक धार मे युवाक कदम, व्यक्तित्व विकास, नेतृत्वकर्ताक औद्योगीकरण, आदि विषयक सम्बन्ध मे अपन अनुभव सहितक वक्तव्य प्रस्तुत करैत भविष्यक राजनीति आ व्यक्तिगत करियरक लेल दिशा बोध करैत अपन मन्तव्य देने छलाह।
साँस्कृतिक नृत्य लेल महेन्द्र बहुमुखी कैम्पस टीम, उत्कृष्ट मैथिली गीति गायनक लेल तेजू मैथिल, उत्कृष्ट मैथिली कविता वाचनक लेल सोनम चौधरी केँ सेहो सम्मानपत्र सँ सम्मान कयल गेलनि।
प्रमुख अतिथि यादव बजलाह, “विद्यार्थी जीवन मे अनुशासन, समयक पालन, मातृभूमिप्रति के चिन्तन, अध्ययन, सभ्य व्यवहार आ सामानता रखबाक नजरि सँ विद्यार्थी भितर असल नेतृत्व जन्मा लैत अछि। – मधेशक समस्या सब केँ हंटेबाक लेल मधेशक युवा सब शिक्षित भ कय राजनीति करथि, नेतृत्व मे आबथि, आर एहि लेल समाजवादी पार्टी देशक एकमात्र समावेशी पार्टी होयबाक कारण एहि कैम्पस केर समाजवादी विद्यार्थी यूनियन पर सेहो विशेष जिम्मेदारी संग भविष्यक राजनीति आवश्यक अछि। मात्र बोली मे नहि अपितु जीवनक व्यवहार मे सेहो हिमाल, पहाड़ आ मधेश जोड़बाक काज एहि पार्टी द्वारा मात्र भऽ रहल अछि। मातृभाषा मे शिक्षा भेटला पर शैक्षिक क्षेत्र सबल होयत। हमर मातृभाषा मैथिली छी आ एहि लेल हम गर्व करैत छी, राई-लिम्बू भाषा लोपोन्मुख भऽ रहल अछि, ई सब पूर्वक एकल भाषा एकल भेष केर नीतिक प्रतिफल छी। सब छात्र लोकनि लेल व्यक्तिगत इंजीनियरिंग करियर लेल शुभकामना अछि। विद्यार्थी व्यक्तित्व-नेतृत्व विकासक लेल योजना सब बनायब ताहि लेल प्रतिबद्ध छी।
सम्पूर्ण कार्यक्रमक संचालन उपाध्यक्ष विद्यानन्द यादव आर सचिव अभिषेक कर्ण द्वारा कयल गेल छल। सम्पूर्ण लाइव एहि पेजक Link फौलो कय केँ देखल जा सकैत अछि।