Search

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् जमशेदपुरक कार्यकारिणी विस्तार

193 भ्यूज

जमशेदपुर मे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् कार्यकारिणीक भेल विस्तार

जमशेदपुर, जुन २४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

नव-निर्वाचित अध्यक्ष अमलेश झा - जमशेदपुर

अमैप अध्यक्ष अमलेश झा – जमशेदपुर

यैह २१ जुन, २०१५ रवि दिन संपन्न आम बैसार द्वारा अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् केर कार्यकारिणीक विस्तार कैल जेबाक समाचार भेटल अछि। किछु नव चेहरा केँ जोड़ल गेल अछि। अमलेश झा संस्थाक अध्यक्ष केर अध्यक्षता मे संपन्न एहि नव विस्तारित कार्यकारिणी एहि प्रकारक अछि: अध्यक्ष – अमलेश झा, उपाध्यक्ष – डा. ए. के. लाल और प्रो. डा. ममता झा, महासचिव – प्रमोद कुमार झा, सचिव – पंकज झा और प्रो. डा. रामानन्द पोद्दार, कोषाध्यक्ष – एच. के. झा। नव कार्यकारिणी सदस्य मे दीपक झा, अनिल झा, शिव कुमार झा टिल्लू, दिलीप कुमार राय शामिल कैल गेलाह अछि। बाकी पूर्ववत् बरकरार छथि। एहि अवसर पर मैथिली केँ दोसर राजभाषाक रूप मे मान्यता दियेबाक संग-संग झारखंड पब्लिक सर्विस कमीशन केर परीक्षा मे सेहो मैथिली केँ मान्यता दियेबाक लेल परिचर्चा कैल गेल।

अध्यक्ष अमलेश झा जानकारी करौलनि जे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् मैथिली एवं मिथिलाक सेवा मे निरन्तर सक्रिय रहैत आयल अछि। झारखंड राज्य सरकार सँ विभिन्न चरण मे भेल वार्ता सँ आशा बढल अछि जे मैथिली केँ जरुर राज्य मे सम्मानजनक स्थान हमरा लोकनिक माँग मुताबिक देल जायत। एहि लेल हमरा सब निरन्तर कार्यरत रहब। अमलेश झा नव जोड़ल गेल सब कार्यकारिणी सदस्य काफी जिम्मेवारीपूर्वक मैथिली आ मिथिलाक सेवा मे निरन्तर योगदान दैत रहला अछि। हिनका लोकनिक संङोर सँ आगामी समय मे आरो महत्त्वपूर्ण कार्य सब कैल जेबाक आशा अछि।

Related Articles