Search

एन्टा अमेरिकाक नव अध्यक्षक रूप मे मोहन यादव निर्वाचित

311 भ्यूज

२५ अगस्त २०२१। मैथिली जिन्दाबाद!!

एसोसिएशन अफ नेपाली तराइयन इन अमेरिका (Association of Nepali Teraian in America – ANTA) केर छठम् अधिवेशन बीतल २१ अगस्त केँ अमेरिका मे सम्पन्न भेल। एहि संस्थाक नव अध्यक्षक रूप मे मोहन यादव निर्वाचित भेलाह अछि। अमेरिकाक भर्जिनिया मे भेल सम्मेलन द्वारा मोहन यादव केँ अध्यक्ष चुनबाक संग नव कार्यसमिति निर्वाचित कयलक अछि। नव कार्यसमिति मे कुशेश्वर मंडल (वरिष्ठ उपाध्यक्ष), कंचन चौधरी (उपाध्यक्ष, राष्ट्रीय), विजय कुमार चौधरी (उपाध्यक्ष, अन्तर्राष्ट्रीय), राजवीर यादव (महासचिव), डा. रविन्द्र मंडल (सह-सचिव), डा. विकास सिंह (कोषाध्यक्ष), ब्रजेश कुमार ठाकुर (सह-कोषाध्यक्ष), खुशनन्दन ठाकुर (प्रवक्ता), आशीष झा (सदस्य), अवधेश कुमार गुप्ता (सदस्य), वन्दना देव (सदस्य), रूपेश कुमार यादव (सदस्य), शत्रुघ्न साह (सदस्य) छथि। 

नवनिर्वाचित अध्यक्ष मोहन यादव एहि सँ पहिने एन्टाक प्रवक्ता छलाह। मैथिली जिन्दाबाद केर संज्ञान मे श्री यादव केर संयोजन मे अनेकन महत्वपूर्ण आयोजन कयल जेबाक दृष्टान्त आ दस्तावेज उपलब्ध अछि। राजविराज-१३ केर मूल निवासी श्री यादव हाल अमेरिकाक वर्जीनिया प्रान्तक चैन्टिली मे आप्रवासी नेपालीक रूप मे निवास करैत छथि। अभियांत्रिकी स्नातक श्री यादव अमेरिका मे अपन निजी उद्यमक संचालन कय रहल छथि। मैथिली भाषा, मिथिला संस्कृति, मधेशी समुदायक हक-हित आ विशेष रूप सँ युवावर्ग मे शिक्षा आ संस्कार केर संवर्धन-प्रवर्धन पर केन्द्रित रहिकय निरन्तर कोनो न कोनो आयोजन करैत रहैत छथि। काफी अध्ययनशील व्यक्ति आ कोनो आयोजन मे सामाजिक समरसता संग मिथिलाक सब जाति-समुदायक समावेशिकताक विशेष ध्यान रखैत काज करबाक विशेष शैलीक धनी छथि। भाषा कदापि कोनो जाति विशेषक नहि अपितु एक निश्चित भूगोल केर होयबाक तथ्य केँ अपन कार्यशैली सँ सिद्ध करैत आबि रहल व्यक्तित्वक नेतृत्व मे एन्टा निश्चित नव आयाम केर काज सब करत से निश्चित अछि।

विदित हो जे एन्टा केर विधान अनुसार छठम् महाधिवेशन केर निर्वाचन समिति मे डा. राम बाबू यादव केर अध्यक्षता मे गठित कुल ३ सदस्यीय समिति मे सुजीत झा आ रामकृष्ण साह सदस्य छलथि। छठम् अधिवेशनक सम्मेलन एन्टा अध्यक्ष एवं युवा वैज्ञानिक प्रा. डा. इन्द्र देव साहक अध्यक्षता एवं अमेरिकी नेपाली समाजक ऐतिहासिक व्यक्त्तित्व तथा अमेरिकाक सब सँ पुरान नेपाली वासिन्दा स्व. डा. सुखदेव साह केर धर्मपत्नी विजया शाह केर प्रमुख आतिथ्यता मे सम्पन्न भेल छल। सम्मेलन मे नेपाली कांग्रेसक बौद्धिक युवा नेता एवं पूर्व सांसद प्रा. डा. प्रध्यापक चन्द्रमोहन यादव, नेकपा (एकीकृत समाजवादी) केर केन्द्रय सदस्य एवं प्रवासी नेपाली मंच विभागीय प्रमुख श्रीप्रसाद साह, मधेशी आयोगक अध्यक्ष डा. विजय दत्त, राजनीतिक विश्लेषक डा. सी. के. लाल, विश्व कीर्तिमानी एवं गिनिज बूक अफ वर्ल्ड रेकर्ड होल्डर डा. नबल पंजियार समेतक सहभागिता रहल छल। कार्यक्रमक सञ्चालन प्रवक्ता मोहन यादव द्वारा कयल गेल छल।


नेपाल सरकारक सम्माननीय प्रधानमन्त्री शेर बहादुर देउवा, पूर्वउपप्रधानमन्त्री उपेन्द्र यादव व राजेन्द्र महतो, प्रदेश नं. २ केर मुख्यमन्त्री लालबावु राउत, भौतिक विकास तथ पूर्वाधारमन्त्री राम सरोज यादव, आन्तरिक मामिला तथा कानून राज्यमन्त्री रूबी कर्ण, मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी सहित लगभग दुइ दर्जन संघ–संस्थाक प्रतिनिधी लोकनि कार्यक्रमक सफलताक लेल लिखितरूप मे शुभकामना देने रहथि।

सम्मेलन मे अमेरिकाक विभिन्न राज्य तथा नेपाल जोड़िकय करीब दुइ सय लोक आ जूम प्रविधि मार्फत २५ लोक सहित कुल २५० गोटेक सहभागिता रहबाक जानकारी आयोजक करौलनि। कार्यक्रमक बीच–बीच मे नेपालक तराई क्षेत्रक विभिन्न भाषा व कला-संस्कृति झलकाबयवला गीत आ नृत्य द्वारा मनोरन्जन प्रदान कयल गेल रहय। एन्टा निर्वाचन आयोगक अध्यक्ष डा. रामबाबु यादव, सदस्यद्वय डा. रामकृष्ण साह आर सुजीत झा द्वारा सर्वसम्मत रूप मे निर्णय करैत नवनिर्वाचित कार्यसमितिक नामक घोषणा कयल गेल छल।

Related Articles