साभारः बलराम मिश्र मैथिल (फेसबुक पोस्ट)
मानसी मिश्रा, सर्वोदय विद्यालय, K-2मंगोल पुरी 11वीं के छात्रा मानसी मिश्रा जून में आयोजित दिल्ली स्टेट किक बॉक्सिंग प्रतियोगिता में गोल्ड मेडल प्राप्त क’ अपन माता-पिता श्रीमती मनोरमा मिश्रा आ श्री दिलीप मिश्राजी के संग-संग गाँव दूर्गौली, बेनीपट्टी, मधुबनी, मिथिला समाज केँ गौरवान्वित केने छलीह । पहिले त’ किछु अजगुत सन बुझायत छल, जे मैथिल ललना आ बाक्सिंग ओहो में गोल्ड मेडलिस्ट भ’ थिम्फू, भूटान में 12 देश के बीच आयोजित स्कूल स्तरीय बाक्सिंग प्रतियोगिता के लेल चयनित भऽ आइ भूटान के लेल प्रस्थान केलीह । बौआ मानसी अहाँ ई प्रतियोगिता जीत क’ आबी आ हमरा सभ केँ आरो गौरवान्वित करी, बहुत बहुत बधाई संग बहुत रास शुभकामना अहाँ केँ।