सखड़ाक सुप्रसिद्ध छिन्नमस्ता मन्दिर मे भगवतीक चाँदीक बनल मुकुट चोरी

२ अगस्त २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि रवि दिन सखड़ा स्थित सुप्रसिद्ध छिन्नमस्ता भगवतीक चाँदीक बनल मुकुट चोरी हेबाक घटना सामने आयल अछि। कहल गेल अछि जे काल्हि संध्या आरती सँ पहिने निर्माल (फूल-पत्ती) आदिक सफाई कयल जेबाक क्रम मे भगवतीक मूर्ति मे आस्था आ परम्परा सँ जोड़ल गेल सिर केर मुकुट जे ८५० ग्राम वजनक चाँदी सँ बनायल गेल छल से नहि भेटल। नेपाल आ भारत दुनू देश केर करोड़ों लोकक आस्थाक केन्द्र के रूप मे सखड़ा भगवती केँ जानल जाइछ। छिन्नमस्ता भगवतीक मूल विग्रह (मूर्ति) मे मस्तकक भाग कटल रहितो आस्था आ विश्वासक संग प्रत्येक साल नवरात्रक महापूजा मे भगवतीक सिर जोड़बाक कार्य विधिवत् कयल जाइछ, आर तहिना भगवतीक मुकुट सहित श्रृंगार करबाक विधान सेहो प्रचलित अछि। विगत किछु दिन सँ मुख्य पूजारीक परिवार मे छुतका लगबाक कारणे वैकल्पिक पूजारी द्वारा पूजा-अर्चना कयल जा रहल अछि, एहि क्रम मे काल्हि सन्ध्याकाल सफाई करबाक दरम्यान भगवतीक मुकुट गायब हेबाक खबरि सँ चारूकात सनसनी मचि गेल। नेपालक सप्तरी जिलाक प्रमुख जिला अधिकारी सहित पुलिस विभागक जिलाधिकारी लोकनि देर राति धरि एहि ठाम पहुँचिकय उचित पूछताछ आर शंकाक आधार पर किछु लोक केँ हाजत मे सेहो राखिकय चोरीक छानबीन कय रहल अछि। मन्दिर सँ सटले रहल नेपाल-भारत सीमा केँ सेहो एलर्ट करैत तत्काल लेल सील कयल जेबाक समाचार प्रशासन द्वारा देल गेल अछि। स्थानीय लोक आ भक्त-श्रद्धालू मे भगवतीक मुकुट चोरी हेबाक घटना सँ काफी आक्रोश देखल जा रहल अछि। सामाजिक संजाल मे सेहो ई घटना वायरल बनि गेल अछि। विदित हो जे छिन्नमस्ता भगवती काफी तेजवान मानल जाइत छथि। एहि ठाम भारतक पूर्व रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र समान प्रखर नेता द्वारा अपन कोनो मनोकामना सिद्ध हेबाक आ भगवती मे गहींर आस्था रहबाक कारण भव्य मन्दिर बनबाओल गेल छल। मन्दिर परिसर मे कुन्ड सहित बाग-बगीचा आ धर्मशाला सहित काफी पैघ बाजार सेहो विकसित भेल अछि। बारहो मास एहि मन्दिर मे विशेष चढावाक संग करोड़ों श्रद्धालू लोकनिक आगमन भेल करैत अछि, नवरात्रक समय त सहजहि बेसी चहल-पहल होइछ। सभक कहब एतबे छल जे चोर केँ शीघ्र पकड़ल जाय आ कड़ा सजा देल जाय जाहि सँ दोबारा फेर कियो एहि तरहक पापपूर्ण कार्य करबाक हिम्मत नहि करय।