अहमदाबाद, 24 जुलाई 2021 । मैथिली जिन्दाबाद!!
जगज्जननी मां जानकीक असीम अनुकम्पा एवं संकल्पसाधनाहूत मैथिलसेवी सभक अथक प्रयास सँ गुजरात केर राजधानी गांधीनगर अवस्थित डभोड़ा गाम मे दिनांक 23/7/2021 शुक्र दिन ‘शाश्वत मिथिला फाउंडेशन’ द्वारा आयोजित मिथिला भवन निर्माण हेतु भूमि-पूजन उत्सव भव्यता संग सम्पन्न हेेबाक जनतब आयोजक करेलनि अछि। जीवेश मिश्रा श्रम संसाधन एवं सूचना प्रौद्योगिकी मंत्री, बिहार सरकार संग मनोज कुमार दास, मुख्यमंत्री गुजरातक प्रधान सचिव तथा अतिरिक्त मुख्य सचिव, गुजरात, पूर्व डीजीपी के. के. ओझा, स्थानीय विधायक शंभूसिंह ठाकोर आर असारवाक विधायक प्रदीप परमार व अनेकों संतगण सहित देश विदेश सँ आयल दर्ज़नों मैथिल संस्थान केर प्रमुख लोकनिक कर कमल सँ शिलान्यास कार्य सम्पन्न भेल। एहि अवसर पर वैदिक मंत्रोच्चार संग मिथिला भवन निर्माणार्थ शिलान्यास के ईंटा सैकड़ों मैथिल समुदाय केर स्थानीय व्यक्तित्व द्वारा राखल जेबाक कारण उत्साह केर अद्भुत नजारा देखल गेल छल।
‘शाश्वत मिथिला फाउंडेशन’ गुजरात अवस्थित प्रवासी मैथिल समुदायक एक पंजीकृत संस्था थिक। शाश्वत मिथिला अपन मुख्य ध्येय मिथिलाक महान साहित्यिक, सांस्कृतिक धरोहर केर संरक्षण एवं संवर्धन परिकल्पना केँ मूर्तरूप देबाक हेतु गांधीनगर मे ‘मिथिला भवन’ नामक एक भव्य सामुदायिक केन्द्र केर स्थापना हेतु अग्रसर अछि। मैथिली जिन्दाबाद सँ बातचीत में फाउंडेशन के संस्थापक सदस्य सह भूमि पूजनोत्सव समारोह संचालक राजकिशोर झा बतेलनि जे ई कैंपस मल्टी-परपस वला बनत जतय वियाह-दान, उपनयन, मुड़न, मिथिलाक पावनि तिहार, कांफ्रेंस हॉल (भाषा, साहित्य, कला, उद्यमिता संवर्धनक संग शैक्षणिक उपयोगिता लेल होयत), ऑडिटोरियम, म्यूजियम (धरोहरक प्रदर्शनी), विश्रामक व्यवस्था, गार्डेन (परिवार समेत लोक छुट्टीक दिनमे ओतए आबथि/बैसथि आ आनंदित होथि), आम-महुआ-पीपड़-ब’र, बांसक गाछ आदि कैंपसके अंदर/बाहर उपलब्ध हो जकर सदुपयोग बहुतरास प्रसंग मे होइत अछि।
विदित हो जे नहि केवल भारत बल्कि विश्व भरि पसरल मैथिल समाज लेल अनेकों अनुकरणीय कार्यक उदाहरण बनेनिहार संस्था शाश्वत मिथिला फाउंडेशन विशाल भूखंड कीनिकय डभोड़ा में ई नव इतिहास रचि रहल अछि। बिना सदस्यक एकजुटता आ दूरदर्शिता एतेक पैघ उद्देश्य केर परिपूर्ति सम्भव नहि भ सकैत अछि। काल्हिक भूमि पूजनोत्सव समारोह में शाश्वत मिथिलाक ओजस्वी कार्यकर्ताक प्रशंसा आ तीन वर्ष मे मिथिला भवन भूमिक अधिग्रहण चर्चाक विषय छल। एहि पुनीत कार्य लेल डभोड़ावासी गुजराती समुदाय सेहो अत्यंत उत्साहक संग सहभागिता जनेलनि ईहो काफी उत्सातवर्धन कयने छल, आयोजक कहलनि।
एकटा अत्यंत रोचक स्थिति ई देखल गेल उद्घाटनकर्ता मंत्री जीबेश मिश्रा अपन संबोधन मे मिथिला भवन निर्माण हेतु यथोचित सहयोगक आश्वासन देलथि। मुदा आयोजक संस्था दिश सँ हुनक एहि सदाशयता प्रति आभार जतबैत सहयोग केर यथासम्भव राशि विद्यापति जन्मस्थली बिस्फी में राष्ट्रीय स्मारक भवन निर्माण में देबाक निवेदन कयल गेलनि। जवाब दैत संचालक राजकिशोर झा कहलखिन्ह जे ‘अहमदाबादक मिथिला भवन निर्माण हम सब कए लेब, अपनेक सहयोग आ संकल्प बिस्फी मे महाकवि विद्यापति राष्ट्रीय स्मारक निर्माण हेतु केंद्रित रहए जे ग्लोबल मैथिलक परिकल्पना अछि।’ मंत्रीजी विहँसैत हुनकर संकेत प्रति समर्थन जतेलनि।
जय भारत, जय मिथिला एवं जय गर्वी गुजरात उद्घोष केर संग एहि सभाक समापन भेल।