२२ जुलाई २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!!
शाश्वत मिथिला अहमदाबाद द्वारा गुजरातक डभोड़ा-लबारपुर मार्ग स्थित लगभग २०,००० (बीस हजार) वर्गी फीट केर भूखंड मे बहुउद्देशीय विशाल मिथिला भवन निर्माण कयल जायत । एहि भवन निर्माण केर भूमि पूजन काल्हि २३ जुलाई २०२१ केर शुभ मुहूर्त मे होयत । एहि शुभ अवसर पर बिहार सरकार श्रम संसाधन व आईटी मंत्री जीवेश मिश्र केर उपस्थिति उद्घाटनकर्ताक रूप मे तथा गुजरात राज्यक अतिरिक्त मुख्य सचिव मनोज कुमार दास मुख्य अतिथिक रूप मे उपस्थिति देता । तहिना निर्माणकर्ता संस्था द्वारा एहि पूजनोत्सव मे भारत ओ नेपाल केर विभिन्न संस्था प्रमुख लोकनि केँ सेहो आमंत्रित कयल गेल छन्हि ।
संस्थाक बहुत रास योजना मे ‘मिथिला भवन’ केर निर्माणक परिकल्पना मुख्य हेबाक जानकारी शाश्वत मिथिलाक संस्थापक सदस्य राज किशोर झा जनतब देलनि । ओ कहलनि जे मोटामोटी ई मैथिलक सामुदायिक भवन रहत । मैथिलजन केर आपसी मिलन स्थल रहत, बियाह, उपनयन संग अन्य संस्कार आ भाषा, संस्कृति, कला, संगीत आदिक संवर्धन केंद्र बनत । बाकी जे भगवतीक कृपा हेतन्हि । विदित हो जे शाश्वत मिथिला केर अगुवाई मे विद्यापति जन्मस्थल (डीह) पर राष्ट्रीय स्मारक निर्माण केर परिकल्पना सेहो कयल गेल अछि आर एहि सन्दर्भ मे तत्कालीन पर्यटन मंत्री जीवेश मिश्र सहित दरभंगा आ मधुबनीक माननीय सांसद द्वय क्रमशः गोपालजी ठाकुर व अशोक यादव आ विस्फी विधानसभा सदस्य हरिभूषण ठाकुर बचौल संग मिथिला-मैथिलीक अनेकहुँ संस्था प्रमुख लोकनिक गरिमामयी उपस्थिति मे ५ दिसम्बर २०२० केँ अभूतपूर्व संकल्प सेहो लेल गेल छल । बिहार सरकार आ भारत सरकार सँ विद्यापतिक डीह पर राष्ट्रीय स्मारक बनेबाक एकटा सुन्दर खाका सेहो हस्तान्तरित कयल गेल छल । सरकार सँ अपेक्षा कयल गेल छल जे एहि पुनीत कार्य केँ राज्य द्वारा भव्यताक संग पूर्ण कयल जाय । एहि बीच संस्था गुजरात प्रवास क्षेत्र केर मैथिल समुदाय वास्ते एतेक पैघ उद्देश्यक ‘मिथिला भवन’ निर्माण हेतु भूमि खरीद कय पूजनोत्सव करय जा रहल छथि आर ताहि मे बिहार केर माननीय मंत्री जीवेश मिश्र केर उपस्थिति होयत ई बहुत पैघ सौभाग्यक बात भेल, ई भावना राजकिशोर झा रखलनि अछि ।
२०१८ सँ लगातार अपन महत्वपूर्ण उपस्थिति विश्व भरिक मैथिलक दृष्टि मे सिद्ध करैत अन्ततोगत्वा एतेक पैघ निर्माणकार्य केँ शुभारम्भ हेतु शाश्वत मिथिला केँ ‘मैथिली जिन्दाबाद’ परिवार दिश सँ हार्दिक बधाई आ सुन्दरतम् भविष्यक शुभकामना सेहो।