प्रदेश १ सरकार केर सामाजिक विकास मंत्रालय द्वारा भाषा-साहित्य-कला-संस्कृति क्षेत्र मे प्रोत्साहन आ सम्मान लेल सूचना

सूचनाः
 
प्रदेश १ सरकार – युवा तथा खेलकुद महाशाखा, सामाजिक विकास मंत्रालय, विराटनगर के सूचना पर सभक ध्यानाकर्षण हो
 
हमर अनुरोधः मैथिलीभाषी सृजनकर्मी लोकनि आ जे विशिष्ट योगदान एहि क्षेत्र मे दय रहल छी तिनका सब सँ सम्बोधित अछिः साहित्य मे, संगीत मे, चित्रकला मे, रंगकर्म मे, लोकनृत्य वा लोकगीत मे, फिल्म मे – जाहि कोनो विधा मे जे सब सेवारत छी, कृपया अपन परिचय आ योगदान के सम्बन्ध मे मंत्रालय केँ जानकारी जरूर कराउ।
 
संलग्न सूचना पत्र – मिति २०७८/०३/१३ मुताबिक देल गेल ईमेल पर अपन योगदान या नवोदित सृजनकर्म आदिक बारे मे व्यक्तिगत विवरण संग २१ गते सँ पहिने जानकारी पठा दियौन।
 
मंत्रालय अन्तर्गत महाशाखा द्वारा ‘सम्मान आ प्रोत्साहन’ कार्यक्रम मे स्वयं केँ नामित करैत प्रदेश १ सरकार संग सहकार्य करू।
एहि सँ सम्मान व प्रोत्साहन मात्र नहि अपितु एहि क्षेत्र मे कार्यरत स्रष्टा लोकनिक व्यक्तिगत विवरण मंत्रालय मे रहत जाहि के आधार पर आगामी समय मे सहकार्य करय मे सहजता होयत। तेँ, सब कियो अपन विवरण मंत्रालय केँ जरूर पठाउ।
 
सधन्यवाद,
 
प्रवीण नारायण चौधरी
अध्यक्ष, मैथिली एसोसिएशन नेपाल,
विराटनगर।
 
Note: बहुत गोटे केँ हम टैग कएने छी, कृपया अहाँ सब सेहो एक-दोसर सँ सूचना आदान-प्रदान करैत एहि अवसर के उचित उपयोग करब से अपेक्षा रखैत छी। प्रदेश १ सरकार प्रति आभार।