२० जून २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि १९ जून २०२१ शनि दिन एसोसिएशन अफ तराइयन्स इन अमेरिका (एन्टा) द्वारा मैथिली भाषाक जानल-मानल कविश्रेष्ठ दयानन्द दिक्पाल यदुवंशी लेल श्रद्धाञ्जलि सभाक आयोजन कयल गेल छल। ई आयोजन जूम मीटिंग मार्फत फेसबुक लाइव द्वारा कयल गेल। एन्टा अध्यक्ष डा. इन्द्रदेव साहुक अध्यक्षता मे आयोजित एहि कार्यक्रमक संचालन एन्टा स्पोक्सपर्सन मोहन यादव द्वारा कयल गेल छल। एहि श्रद्धाञ्जलि सभा मे मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार एवं कान्तिपुर रेडियोक प्रसिद्ध कार्यक्रम ‘हेल्लो मिथिला’ केर संचालक सह नेपाल संगीत तथा नाट्य प्रज्ञा परिषद के संगीत तथा नाट्य विभागक प्रमुख प्राज्ञ धीरेन्द्र प्रेमर्षि, मैथिली जिन्दाबाद केर सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी, मैथिली साहित्य अभियान, विराटनगरक संयोजक कर्ण संजय, एन्टा सलाहकार डा. कृष्ण साह एवं अन्य व्यक्तित्व लोकनि सहभागिता दैत कविश्रेष्ठ दयानन्द दिक्पाल यदुवंशीक व्यक्तित्व ओ कृतित्वक चर्चाक संग हुनका प्रति भावपूर्ण श्रद्धाञ्जलि अर्पित कयलनि। निष्कर्षतः कविश्रेष्ठ दयानन्द दिक्पाल यदुवंशीक अप्रकाशित रचना सभक संग्रह करैत पुस्तकाकार मे प्रकाशित करबाक कार्य असल श्रद्धाञ्जलि होयत से निर्णय लैत सहभागी सृजनकर्मी एवं आयोजक संस्था द्वारा प्रतिबद्धता सेहो व्यक्त कयल गेल।
