सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। जुन १४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
सहरसा मे एम्स अस्पताल के लेल संजय गॉधी पार्क मे एकटा बैसार भेल जाहि मे लगभग सब प्रखंड सँ युवा क्रान्तिकारी सब उपस्थित भेलाह । जाहि मे निर्णय भेल जे एहि मांग केँ व्यापक रुप सँ जनजागरण अभियान चलायल जायत संगहि चुनाव मे एम्स बनेबाक मांग कयल जायत । बैसार मे विनोद झा, प्रवीण आनंद, दीपनारायण ठाकुर, राहुल कुमार, विजय वसंत, सौरभ कुमार, रौशन कुमार सहित सब एकमत सँ एम्स अस्पताल केर स्थापनाक संकल्प लेलनि । आन्दोलनक अगुआ प्रवीण आनंद कहलैन जे ई आन्दोलन कोनो खास पार्टी वा संस्था वा समूह केर नहि भऽ समस्त सहरसावासीक आन्दोलन होयत।
एहि सँ पूर्व सेहो एहि माँग केर समर्थन मे स्थानीय विधायक, सांसद, मंत्री आदि सँ भेंट कय चुकला अछि। मुदा हाल धरि सरकार द्वारा कोनो ठोस नीति वा घोषणा नहि कैल गेल अछि। जनता मे एम्स केर आवश्यकताक बड पैघ माँग अछि कारण एहि क्षेत्र सँ स्वास्थ्य जाँच लेल पटना आ दिल्लीक अलावे अन्य कोनो सहारा नहि छैक। केन्द्र सरकार द्वारा बिहार मे दोसर एम्स खोलबाक घोषणा संगे ई माँग सहरसा मे जोर-सोर सँ उठैत रहल अछि।