सखी बहीनपा द्वारा काठमांडू आ जनकपुरमें भेल होरी कार्यक्रम

105

मनीष कर्ण ,जनकपुरधाम।12 मार्च,2022.मैथिली जिन्दाबाद!!मिथिलामें अखनि रंगोत्सव रंगमे रँगायल लागल अछि। ठाम-ठाममे विभिन्न संघ संस्था सभ होरी मिलन समारोह, काव्य-महोत्सव आ फगुआ राग,गीतनाद सहजहि सुनल जा’ सकैए।एहन समयमे सखी-बहीनपा मैथिलानी समुह काठमांडू आ तहिना जनकपुरक समुह धूमधाम सँग “बसन्त काव्याेत्सव” एवं “फागु राग तथा गीत” विषयक कार्यक्रम आई सम्पन्न भेल अछि।काठमाणडूमे  विभा झा जीक सभापतित्वमें भेल कार्यक्रममें  प्रमुख अतिथि बबिता मिश्र, विशिष्ट अतिथि एवं पठीत कविता-गीतक समिक्षा रूपा झा कएलनि । कवि लाेकनिमे चंदन झा  एवं गायनमे मीनू कर्णकेँ प्राेत्साहन पुरस्कार प्रदान कएल गेल । आओर जनकपुरमें केन्द्रीय कार्य समितिक स्थापना दिवस संगहि होरी महोत्सव कार्यक्रम भव्यताक संग सेहो मनाएल गेल  पियर परिधानमें सखी सबहक उपस्थिति आह्लादकारी आ एक रुपता दर्शा रहल छल ।प्रमुख अतिथि आदरणीय मा. मिनाक्षी झा छलीह ।