Search

मैथिली सिनेमाक एकटा सार्थक अध्याय लिखब आरम्भ भ’ गेल अछि #लोटस_ब्लूम्स रूप मे …

हिन्दी फिल्म गुटरु गुटरगूँ सँ परिचिति पओनिहार युवा निर्देशक प्रतीक शर्मा एहि बेर मैथिली दिस आकर्षित भ’ एक्कहि संग हिन्दी आ मैथिली मे “लोटस ब्लूम्स” नामक फिल्म निर्माण-निर्देशन मे लागि गेल छथि ।

लोटस ब्लूम्सक दृश्य मे अस्मिता, अनिल आ परवेज अख्तर

फिल्मक दृश्य मे अनिल मिश्रा, अस्मिता शर्मा आ परवेज अख्तर

मैथिली आ हिन्दी मे अलग-अलग बनि रहल एहि फिल्म मे बालिका वधू सँ चर्चित अभिनेत्री अस्मिता शर्मा संग प्रभात रघुनन्दन आ मास्टर अथ केन्द्रीय भूमिका मे छथि संगहि वालीवुड अभिनेता अखिलेन्द्र मिश्रा, मैथिलीक सुपरिचित अभिनेता अनिल मिश्र आ बिहार रंगमंचक वरिष्ठ नाम परवेज अख्तर आदिक सशक्त उपस्थिति अछि एहि फिल्म मे मिथिलाक माटि सँ जुड़ल कथावस्तु आ बाल मनोविज्ञान पर केन्द्रित एहि फिल्मक छायांकन सम्प्रति जहानाबाद जिलाक सुदूर देहात मे भ’ रहल अछि ।फिल्मक डी ओ पी मिधुन चन्द्रन एन पी आ रेजिश नारायणन छथि । फिल्मक पटकथा सलाहकार आ संवाद प्रतिष्ठित साहित्यकार डा. उषाकिरण खानक छन्हि । निश्चित रूप सँ ई फिल्मक निर्माण मैथिली सिनेमाक कड़ी मे एकटा महत्वपूर्ण डेग सिद्ध हैत ।

Related Articles