ललन दरभंगावाला, विरार। जुन ११, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
महाराष्ट्र केर विरार महानगरपालिका मे स्थानीय प्रशासनक चुनाव १४ जुन केँ होयत। एहि चुनाव मे वार्ड संख्या २४ सँ मैथिलानी पुतुल रविन्द्र झा केँ उम्मीदवारी स्थानीय एक दल ‘बहुजन विकास अघाड़ी’ द्वारा देल गेल अछि। मानल जाइत अछि जे एहि वार्ड मे मैथिल जनमानसक वोटक संख्या काफी अछि आ अपन अधिकार प्रति साकांछ मैथिल जरुर एकटा मैथिलानी उम्मीदवार केँ जितेबाक कार्य करत। तहिना पुतुल रविन्द्र झा केर दावी एक प्रखर समाजसेविकाक रूप मे एहि क्षेत्र मे रहबाक जानकारी स्रोत द्वारा भेटल अछि। फेसबुक पर सेहो विभिन्न मिथिला-मैथिली संस्था सब पुतुल केँ जितेबाक आह्वान कय रहल अछि।
“मिथिलाक बेटी केँ पहिल बेर वसई विरार मनपा मे एक प्रमुख पक्ष ( बहुजन विकास अघाड़ी ) द्वारा उम्मेदवारी देल गेल अछि । ई हमरा (मैथिल) सबहक लेल बहुत गर्वक बात अछि, मुदा संग-संग ई अप्पन सबहक जिम्मेदारी सेहो अछि जे अपने सब ( आपसी मतभेद केँ बिसरैत) मिथिला-मैथिलीक नाम पर एक भऽ कऽ एक मैथिल महिला केँ विजयी बना कऽ मनपा मे पठाबी।” स्थानीय एक प्रबुद्ध मैथिल द्वारा पुतुल केर पक्ष मे ई राय राखल गेल। तहिना एक अन्य मैथिल एहि लेल कहला जे “ई अवसर रोज-रोज नञि अबैत छैक। एक मैथिल महिला जँ नगरसेविकाक रुप मे मनपा मे जेती तऽ निश्चित रुप सँ आबयबला समय मे आओर मैथिल केँ प्रोत्साहन भेटतैन आ जनप्रतिनिधिक रूप मे आरो मैथिलक संख्या मे वृद्धि हेतैक।” विदित अछि जे मैथिल मतदाता एकजुटता सँ दिल्ली समान देशक राजधानी मे कइएको टा नगर निगम केर सदस्य सँ लैत विधायक आ सांसद तक मैथिल केँ चुनिकय समुचित अधिकार पाबि रहल अछि। सजगता सँ मात्र राजनैतिक अधिकार भेटैत छैक।