Search

दहेज मुक्त मिथिला नेपाल द्वारा पीड़िता केँ सहयोग आ सम्मान

232 भ्यूज

राजविराज, 8 दिसम्बर 2020। मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज मुक्त मिथिला (नेपाल) द्वारा आयोजित 16 दिवसीय लैंगिक भेदभाव आ महिला ऊपर हिन्सा विरुद्ध जनजागरण अभियान में काल्हि 7 दिसम्बर 2020 सोम दिन सप्तरी के मुख्यालय राजविराज में दुइ पीड़िता केँ सम्मान संग नगद पारितोषिक दैत संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती करुणा झा द्वारा प्रदान कयल गेल। सप्तरी केर चर्चित सामुहिक बलात्कार आ ततपश्चात पंचायत द्वारा पीड़िता केँ आर्थिक क्षतिपूर्ति दिएबाक नहि कि बलात्कारी सभ पर कानूनी कार्यवाही करेबाक पंचायत सँ दुःखी पीड़िता संगीता मंडल आत्महत्या कय लेने छल, ओकर माय रधियादेवी मंडल केँ सम्मान कयल गेल। तहिना घरेलू हिन्सा के शिकार विजया देवी यादव केँ सेहो सम्मान आ पारितोषिक प्रदान कयल गेल छल। एहि अवसर पर कार्यक्रम संयोजक मनोहर पोखरेल, अशोक कुमार झा, सुमित्रा दास, नानी मैंया कटुवाल सेहो उपस्थित रहथि। मूल समारोह समिति द्वारा पीड़िता सभक जीविकोपार्जन लेल सेहो प्रयास कयल जा रहल अछि, से आश्वासन देल गेल छैक।

Related Articles