आदित्य नारायण केर विवाह श्वेता अग्रवाल संग होयत

विमलजी मिश्र, नई दिल्ली। 12 अक्टूबर 2020। मैथिली जिन्दाबाद!!

आदित्य नारायण झा / सुपुत्र श्री उदित नारायण झा ।
वियाह जिनका सँ करत , ओ छथि श्वेता अग्रवाल ।
जे की आदित्य नारायण के, दस साल सँ गर्लफ्रेंड अछि ।
दुनु गोटे फिल्म सँ ताल्लुकात राखै अछि ।
नवंबर या दिसंबर मे वियाह करब निश्चित भेल अछि । आदित्य नारायण आ श्वेता अग्रवाल,  दुनु गोटै 2010 मे #शापित फिल्म मे काज केने रहै । प्रेम के अंकुर ओहि ठाम सँ पनपल छलै । मुदा कम वयस्क के कारण दुनु गोटै , दोस्त जेकां रहि कें भविष्य संवारै मे लागि गेल । आब जखन दुनु लड़का आ लड़की मेच्योर भ गेल तँ , निर्णय लेलक जे आब वियाह क लेबाक चाहि । श्वेता अग्रवाल कें आदित्य नारायण के गार्जियन यानी माता दीपा नारायण आ पिता उदित नारायण जी पसंद क लेने अछि । यानी माता पिता के पुर्ण सहयोग आ आशिर्वाद प्राप्त भ गेल अछि।