11 अक्टूबर 2020 । मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली फ़िल्म केँ ऊंचाई देनिहार झा विकास केर जन्मदिवस पर प्रवीण शुभकामना
मधुर मैथिली यूट्यूब चैनल सँ नीक नीक लघुफिल्म आ प्रहसन सह समसामयिक विषय पर आलोचना, समीक्षा आ दृष्टिकोण फ़िल्म रूप में निर्माण आ प्रकाशन करैत आबि रहला अछि।
एहि में कतहु दुइ मत नहि जे मैथिली में स्तरीय कार्य करबाक संग नव अन्वेषण आ प्रयोग केँ बढ़ावा देबाक विशेषता केर संकल्प ईमानदारी सँ निभाबैत छथि विकास जी। कलाकार चयन में, कैमरा आ फिल्मांकन में, लगभग सब तकनीक में उदारता आ सावधानी राखब – तेँ नीक काज लेल सुविज्ञ कहैत छन्हि सब।
मैथिली में चुनौती बहुत छैक। भाषाभाषी में आन आन भाषाभाषी जेकाँ जोश, ऊर्जा, उत्साह, समर्पण, लगड़पन, मरि मिटबाक समर्थन, अत्यल्प भेटत। तेँ कतेको लोक कहि दैत छथि जे ई भाषा नहि जियत बेसी दिन। लेकिन किछु लोक एहि कोरम केँ पूरा करय में लागल छथि। विकास जी केँ सेहो एहि सूची में हम एहि लेल रखैत छियन्हि कारण अपन कठिन परिश्रम केर कमाई सँ भाषा संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन लेल सर्वोच्च प्राथमिकता के पक्ष अर्थात फिल्म निर्माण करैत छथि। एहि क्षेत्र में निरंतर कतेको बियोंते सब व्यवस्थापन मिलबैत रिटर्न्स केर बड़ बेसी अपेक्षा बिना काज करयवला वीर मैथिल सपूत छथि, मिथिला रत्न छथि। हिनका समान समर्पित लोक लेल हम बहुत सम्मान रखैत पराम्बा जानकी जी सँ सदैव सफल, सुखी, सामर्थ्यवान, सक्षम आ स्वस्थ रखबाक लेल विशेष सिफारिश करैत छी। जन्मदिन पर यैह शुभकामना सेहो विकास जी लेल!
जमाय सेहो थिकाह, ताहि लेल बेटी रोशनी सहित विकास जी सदिखन कर्मपथ पर हमेशा सकारात्मक ऊर्जा संग बढैत रहथि, से शुभाशीष!
कवि कल्पना केर अभूतपूर्व सफलता आ लोकप्रियता उपरान्त नमो नारायण सेहो ओतबे सुपरहिट फिल्म बनेलहुँ। इतिहास में ई सब स्तरीय कार्य स्थापित भेल अछि। आगू सेहो अहाँक विज्ञता केर लाभ मैथिली केँ भेटत। औरदा बढ़ल अछि मैथिली केर!😊 उर्दू के एक शब्द एहसानफरामोश प्रजाति केर लोक एहि भाषाक हत्या करय लेल उतारू अछिये, एकर मिठास ओकरा सब केँ काटय दौड़ैत छैक मानू, मुदा अपनो लोक एहेन कतेको एहसानफरामोश अछि जे अपन बालो बच्चा केँ स्वयं अपने भाषा सँ विलगाव उत्पन्न करैत अछि। आत्मघाती अछि कतेको। तथापि सृजनात्मक दृष्टिसंपन्न व्यक्ति अपन कर्तव्य करैत जायत। चरैवेति चरैवेति!💐💐💐
हरि हर!!