विराटनगर, ८ अक्टूबर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ दिनांक ८ अक्टूबर २०२० वृहस्पति दिन मैथिली जिन्दाबाद वेब पत्रिका केर संपादक एवं सर्वर केर बीच एक बैसार सम्पन्न भेल। एहि बैसार मे मैथिली भाषाक सुन्दरतम आ विश्वसनीय वेब पत्रिकाक रूप मे मैथिली जिन्दाबाद पर स्थानीय एवं राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय समाचार सेहो उल्लेख्य मात्रा मे अपडेट करबाक जरूरत मुताबिक एहि लेल एकटा सक्रिय कार्यदल गठन करबाक निर्णय लेल गेल अछि।
एखन कार्यदल मे अम्बिका चौधरी केर नेतृत्व मे बाकी जर्नलिज्म इन्टर्नशीप कय रहल लोक केँ जोड़बाक निर्णय लेल गेल अछि। विदित हो जे अम्बिका चौधरी एखन बैचलर अफ आर्ट्स इन जर्नलिज्म कोर्स केर पढाई सेन्टर फर मैनेजमेन्ट स्टडीज – जैन युनिवर्सिटी बंगलुरू सँ कय रहली अछि, संगहि मैथिली भाषाक लेखन मे बहुत पहिनहि सँ रुचि सेहो रखैत रहली अछि। मैथिली जिन्दाबाद वेब पत्रिका मे आरो जर्नलिज्म कय रहल छात्र-छात्रा जुड़ि सकैत छथि आर एहि लेल [email protected] पर सीधे संपादक सँ सम्पर्क कय सकैत छथि। आब सँ मैथिली जिन्दाबाद पर नेपालक प्रदेश १ तथा विराटनगर केन्द्रित समाचारक संग नेपालक अन्य प्रदेश आदिक समाचार संछेप मे प्रकाशित कयल जायत। संगहि समाचार संकलन लेल समुचित टीम बनि गेलाक बाद एकर दायरा आरो बढायल जायत। बिहार मे विद्यमान विधानसभा चुनाव केँ देखैत ओहु सँ जुड़ल संवाद पाठक लोकनि धरि मैथिली जिन्दाबाद वेब पत्रिका द्वारा पहुँचेबाक प्रयास अम्बिका चौधरीक नेतृत्व मे कयल जायत।

1 Comment
You are doing an amazing work. Keep growing.