२० सितम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ एबीएम कालेज जमशेदपुर द्वारा एकटा महत्वपूर्ण वेबिनार केर आयोजन कयल गेल अछि। मैथिली भाषा-साहित्य पर कोरोनाक प्रभाव – एहि विषय पर काफी रास वक्ता लोकनि अपन विचार रखता। एहि सन्दर्भ मे ‘मैथिली जिन्दाबाद’ केर सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी सेहो आमंत्रित छथि आर हुनकर वक्तव्यक विषय अछि कोरोनाकाल मे मैथिली फिल्म। आउ एक नजरि दी एहि विषय पर किछु महत्वपूर्ण बात परः
मैथिली फिल्म – कोरोनाकाल मे
१. मैथिली पारिवारिक फिल्म – नीलम मैथिली – सुहागिन – २० मई २०२०ः https://www.youtube.com/watch?v=hfFW-HLqxQY
लगभग ८७,४७० व्यूज – नीलम मैथिली केर सब्सक्राइबर्स – १,६१,०००
Movie:- Suhagin Genre:- Drama Starcast:- Dharmendra Morbaita, Sangita Mishra, Mukesh Yadav, Anil Raj, Manita, Rita Srivastav, Neha Sharma, Raman Mishra, Devnath Yadav, Dipu Mishra & others Directed by:- Manoj Jha Produced by:- Dhirendra Morbaita Story by:- Seema Morbaita Dialogue by:- Rekha Jha Music by:- Ravi Da Lyricist:- B. N. Patel Singers:- Kunj Bihari, Payal Mukharji, Abinash Thakur, Bishwanath Datta, Anuradha Cinematography:- Ajay Raypuriya Edited by:- Anil Gautam Choreography:- Anil Raj Action:- Sanu Kumar Maharajan Banner:- Yash Movies Pvt. Ltd. & Neelam Films Music on:- Neelam Cassette Language:- Maithili Producer – Krishna Kumar Choudhary Copyright: Neelam Maithili (Neelam Recording Studio Pvt.Ltd.) Subscribe to Neelam Maithili Lok Geet Channel https://www.youtube.com/channel/UCBNU… Trade Inquiry : 01122757200,9873450724
२. वेभ म्यूजिक द्वारा २१ मार्च केँ अपलोड – मैथिली फिल्म ‘दूल्हा चोर’
https://www.youtube.com/watch?v=2IBbqdUnXps
लगभग १७०,००० व्यूज – वेभ म्यूजिक केर ३,७९,००,००० सब्सक्राइबर्स
Movie : Dulha Chor Cast: Kalpana Shah, Kumar Ghanshyam, Phool Singh, Pratibha Pandey, Arun Singh, Aruna Singh, Umakant Rai, Nilesh Jha, Pramod Goswami etc. Music: Suresh Anand Lyrics: Abhiraj Jha Director: Briendra Paswan Producer: Nunukant Jha “Shyamji”, Mahesh Kumar Mishra Banner: Uma Film Production, Kanti Film Production
३. अचल मिश्रा केँ डेब्यू कास्ट करैत ‘गामक घर’ फिल्म जे समसामयिक कथानक यानि गामक घर केँ उपेक्षित छोड़ि शहर मे बसबाक नया फैशन पर आधारित अछि। – https://www.livemint.com/mint-lounge/features/a-maithili-homecoming-on-screen-11590727148795.html – फिल्म प्रीमियर मुम्बई फिल्म फेस्टिवल २०१९ मे। लाइव मिन्ट मैथिली फिल्म निर्माण मे प्रयुक्त तकनीकी विषय-वस्तु जेना १९९८ मे बौक्स मे फिट फोटो ४ः३ साइज केर होइत छल, फेर २०१० मे १६ः९ केर फ्रेम मे, २०१९ मे सिनेमास्कोप मे – आर ई सब किछु एकटा फिल्मकर्मीक व्यक्तिगत फोटोग्राफीक सख आ विभिन्न मौसम मे गाम-घर एबाक आ फोटोग्राफी करबाक क्रम मे समयक परिवर्तन संग रहन-सहन आदिक परिवर्तन केँ फिल्मांकन मे करबाक प्रेरणा पर आधारित अछि।
लाइवमिन्ट सहित फर्स्ट पोस्ट, द वीक, द वायर आदि अनेकों राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय पत्र-पत्रिका सभ मे सेहो एहि उच्चकोटिक मैथिली फिल्म केर रिव्यू मई २०२० लौकडाउन केर समय मे प्रकाशित भेल जे पैघ स्तर पर मैथिली फिल्म प्रति दर्शक मे रुचि (रुझान) पैदा करय वला कहि सकैत छी। सामान्य संचार साहित्य मे सेहो मैथिली फिल्म पर बेसी सँ बेसी समीक्षा हो, विभिन्न साहित्यिक महोत्सव, विद्यापति स्मृति समारोह आदि मे सेहो मैथिली फिल्म पर चर्चा आ समीक्षा कयल जायत त एकर सार्थक प्रभाव दर्शकक मनोमस्तिष्क पर पड़त जेकरा बारीक पटुआ तीत होयबाक आदति पड़ि गेल छैक।
४. मैथिली फिल्म निर्माणक आइ कइएक केन्द्र अछि – संगम मैथिली, झंझारपुर जे नेपाल आ भारत केर सीमावर्ती दुनू पारक मिथिलाक्षेत्रक कलाकार आ निर्माता सब संग नीक एलायंस करैत एक सँ बढिकय एक महत्वपूर्ण काज करैत छथि। संगम सीरिज पर रिलीज अप्रैल ७, २०१९ केर एक फिल्म रमौलवाली जाहि मे बी एन पटेल समान चर्चित कलाकार आ निर्माता-निर्देशक संग आरो कइएक महत्वपूर्ण कलाकार सब काज कयलनि आ ओ फिल्म एखन धरि १ साल मे ३० लाख व्यूज प्राप्त कयलक अछि। लिंक – https://www.youtube.com/watch?v=IcDZ6_iZP28 – पहिल वर्ष कनियाँ चन्द्रमुखी आ दोसर वर्ष मे सूर्यमुखी आ तेसर वर्ष मे ज्वालामुखी होइत छैक। – एहेन-एहेन कतेको आकर्षक डायलग सब सँ भरल पुरल मैथिली फिल्म स्वाभाविके अपना दिश आकर्षित करैत छैक। संगम मैथिली केर ३,८०,००० सब्सक्राइबर छैक। झंझारपुर आ विराटनगर दू ठाम एकर रेकर्डिंग स्टुडियो छैक। आब रेकर्डिंग स्टुडियो ओना काफी रास भेटत आ काज करयवला सेन्टर सेहो शहरे-शहर खुजल देखाइत अछि। एहि तरहें मैथिली भाषाक म्यूजिक एलबम हो या फिल्म – फीचर अथवा शौर्ट, सब तरहक कार्य लेल बेतहाशा संख्या मे उद्यमी आ कलाकार सब काफी महात्वाकांक्षाक संग जुटिकय काज कय रहल देखाइछ।
५. मात्र संगम मैथिली केर उदाहरण देखल जाय त एखन धरि करीब ५ दर्जन गीति-एल्बम – अर्थात म्यूजिक केर विजुअल फिल्म प्रदर्शित भेल छैक। जाहि मे दरभंगा, मधुबनी, मोरंग, सुनसरी, सप्तरी, सिरहा, धनुषा, महोत्तरी, सुपौल आदिक कलाकार आ निर्माता लोकनिक अग्रसरता देखल जाइत अछि। होली गीत, पारम्परिक प्रेम गीत जाहि मे शब्दक श्रृंगार सभ्य आ रोचक ढंग सँ सजल अछि ताहि गीत केँ लाखों मे व्यूज भेटैत देखल जा सकैत अछि। लिंकः https://www.youtube.com/c/SangamMaithili/videos
६. महानगर मे दिल्ली सर्वाधिक मैथिली फिल्म बना रहल देखाइत अछि। तहिना मुम्बई सँ सेहो बहुत रास महत्वपूर्ण कार्य ‘मधुर मैथिली’ द्वारा करैत देखि सकैत छी। ‘मैथिली गंगा’, ‘नीलम मैथिली’, ‘म्युजिक नेपाल’, आदि कतेको पैघ-पैघ बैनर द्वारा मैथिली फिल्म व म्यूजिक एलबम केर प्रदर्शन कयल जाइत अछि।
७. गरीबक बेटी – नीलम मैथिली पर बस १ महीना पहिने रिलीज भेल छल जेकर व्यूज लगभग डेढ लाख केर आसपास अछि। जखन कि ई फिल्म पौने तीन घन्टाक अछि तथापि एतेक पैघ संख्या मे व्यूज मैथिली फिल्म केर दर्शकक भूख आ प्रेम दुनू सिद्ध करैत अछि।
८. कोरोनाकाल मे लौकडाउन केर कारण कतेको देहारी कमेनिहार मजदूरक समस्या केँ देखबयवला लघुफिल्म नेपालक एक छोट शहर सुनसरी जिलाक मुख्यालय इनरुवा केर एजोरिया फिल्म द्वारा १ महीना पहिने प्रकाशित कयल गेल आर एकरा एखन धरि १ लाख व्युअर्स देखि चुकल छथि।
९. नेपाली भाषा मे मूलतः निर्मित एक मधेशी परिवेशक फिल्म केँ मैथिलीकरण करैत निर्माता राजकुमार महतो द्वारा रिलीज कयल गेल चर्चित फिल्म ‘राज्जा रानी’ सेहो लौकडाउन केर फायदा उठेलक। बुढा सुब्बा डिजीटल द्वारा हालहि ४ मास पूर्व यूट्यूब पर रिलीज कयल गेल आर एकर व्यूज लगभग ३ लाख केर आसपास पहुँचि गेल अछि।
१०. चौरसिया इन्टरटेनमेन्ट द्वारा छौरा अगत्ती छौरी भगवती सेहो १ मास पहिने रिलीज कयल गेल जेकर व्यूज करीब डेढ लाख धरि पहुँचि गेल अछि। तहिना हिनकहि सभक दोसर फिल्म खुरलुच्ची सेहो २ मास पहिने रिलीज कयल गेल अछि जाहि मे ५० हजार केर व्यूज प्राप्त भऽ गेल अछि। मायक कर्ज फिल्म ३ मास पहिने रिलीज भेल जे ३७ हजार व्यूज प्राप्त कय लेलक अछि।
११. इजोरिया फिल्म्स इनरुवा सुनसरी नेपाल केर संचालक राजेश कुमार साह जी संग चर्चा मे ज्ञात भेल जे इजोरिया फिल्म्स केर उद्यम एकटा साइड बिजनेस केर रूप मे ओ आरम्भ कयलनि आर यूट्यूब पर मोनिटाइज्ड चैनल भेला सँ हुनका एहि उद्यम सँ कतेक लाभ, कतेक हानि आ कतेक भविष्य देखा रहल छन्हि। यैह राजेश कुमार द्वारा कोरोना पर आधारित ‘ललिया’ लघु फिल्म जाहि मे शिवम शर्मा आ अक्षिता संग अशोक मेहता – केवल ३ कलाकार सँ ४५ मिनट केर बनल ई फिल्म केना-केना लिखलनि, केना फिल्मांकन (सूटिंग) भेल आ केना सफलता हासिल कय रहल अछि। लौकडाउन मे पुलिस द्वारा देहारी कमेनिहार ठेलावला पर लाठी चार्ज आ प्रतिकार मे ओकरा सब द्वारा २ दिन सँ परिवार मे सभक भूखल रहबाक बात सँ कथा भेटलनि आ से लोकक संवेदना केँ कतेक भीतर धरि झकझोरैत अछि – बस एहि पर केन्द्रित बनि गेल ‘ललिया’ मैथिली लघु फिल्म। एहि मे कोनो विशेष ईफेक्ट्स या एडिटिंग केर मसाला नहिये बड खर्चीला कैमराक प्रयोग…. बस केवल मिथिलाक ग्रामीण परिवेश मे मजदूरक टटघर आ ताहि मे गृहस्थी योग्य चुल्हा, पटिया, सतरंजी, डिबिया, उखैड़, समाठ, सूप, कल, आदि केँ मात्र दृश्यांकन करैत बना लेलनि ‘ललिया’। केना एहि कथा सँ मिथिलाक नारी शक्ति मे एकटा छोट बच्ची केँ संघर्ष करैत देखबैत मैसेज देलनि जे अपन मिथिला समाज मे कतबो विपत्ति आबि जाय कोनो परिवार मे, ओ देह व्यापार आ अबैध धंधा मे एकदम नहि जायत, बल्कि खेत मे मजदूरी कय लेत, खत्ता उपछिकय माछ मारिकय जीवनयापन कय लेत, नहि किछु भेटतैक त गाछ-वृक्ष या खेत सँ किछु जोगार कय लेत, लेकिन अफन स्वाभिमान केँ मरय नहि देत। एहि इजोरिया फिल्म्स द्वारा एखन धरि दर्जनों छोट फिल्म आ म्यूजिक एलबम केर प्रकाशन कय ५५ हजार सँ बेसी व्यूज भेला पर आमदनी आयब शुरू होयबाक बात कहलथि राजेश कुमार जी। ओ स्वयं नीक-नीक स्क्रीप्ट सेहो लिखि लैत छथि। लेकिन हुनका जरूरत बुझाइत छन्हि प्रोफेशनल स्क्रीप्ट लिखनिहार केर। ओ स्वयं अंग्रेजी भाषा-साहित्यक स्नातकोत्तर डिग्री हासिल कयनिहार, पूर्व प्रधानाध्यापक एक निजी आवासीय विद्यालय केर, परिवारक अनेकों उद्यम-व्यवसाय, खेती-पाती – आर आब एहि सभक संग मैथिली फिल्म निर्माण मे अपन भविष्य देखि रहल छथि। हुनका बहुत नीक लगैत छन्हि जे एहि सँ मातृभाषाक रक्षा आ संवर्धन सेहो होइत अछि, कतेको लोक केँ रोजी-रोजगार सेहो उपलब्ध होइत छैक। एहि मे बहुत सम्भावना छैक।
१२. अगस्त २० तारीख २०२० केँ मैथिली रोस्ट नं. १ पर रिलीज कयल गेल फिल्म ‘डकैत’ एखन धरि ४ लाख ८० हजार बेर देखल जा चुकल अछि। नेपालक तराई मिथिला क्षेत्रक दर्जनों कलाकार केँ जोड़ि वंशीधर चौधरी-गौरव ठाकुर द्वारा निर्मित एहि फिल्म मे विशुद्ध मिथिला संस्कृति केँ झलकाबयवला कथानक देखायल गेल अछि। कोनो बेसी ताम-झाम नहि। आर एहि तरहक विशाल व्यूज सँ रेवेन्यु केर आमद मैथिली फिल्म कतेक दूर धरि जायत से देखबैत अछि।
१३. ए एम फिल्म प्रोडक्सन, दीपक दीवाना केर चैनल जेकर ९,८७,००० सब्सक्राइबर अछि आर जे मिथिला मे जीतिया आर ताहि मे माछ-मड़ुुवा केर महत्व पर आधारित ‘ढोरबा के जीतिया’ लेल बनायल एक मैथिली कामेडी शौर्ट फिल्म सितम्बर ८ तारीख रिलीज करैत अछि आर मात्र १२ दिन मे लगभग चारि लाख व्यूज भेटि जाइत छैक। गाँझ आ खेत मे जा कय माछ पकड़नाय – गरइ आ कबइ मारि विध जोगर माछ मारि ढोरबाक कथा केँ मिथिलाक असल जनजीवन केँ देखबैत ई फिल्म केर एतेक विशाल व्यूज एहि बात केँ सिद्ध करैत अछि जे राजनीतिक लोक भले मिथिला आ मैथिली केँ कोनो खाज जाति-वर्ग-समुदायक बपौती कहय, लेकिन असल बात किछु आर छैक। असली मिथिला असल जनसमुदाय केँ समेटियेकय चमकैत सभ्यताक रूप मे स्थापित छैक।
एहि तरहें आब निष्कर्ष दिश चली –
१. मैथिली भाषा केँ प्राणदान देबाक संग एकर वर्चस्व केर सही रूप देखबय के काज मैथिली फिल्म करैत अछि। फिल्म सँ भाषा केँ नवजीवन मात्र नहि बल्कि विश्व भरि मे अपन विशिष्ट ख्याति सेहो देखबैत छैक। आर एहि मे मैथिली कोनो भाषा सँ पाछू नहि अछि।
२. भाषा मे बोलीक विविधता केँ समेटबाक काज भले लिखित साहित्य मे कम भेल, किंवा साहित्यक संवर्धन-प्रवर्धन लेल अकदामिक गतिविधि मे सब बोली आ समुदाय केँ भाषा संग अपनत्व प्राप्तिक कोनो ढंगगर काज विद्यालय, महाविद्यालय, आम जीवन प्रणाली अथवा अकादमिक गतिविधि कतहु नहि भेल – लेकिन एहि गैप केँ पूर्णता प्रदान कय रहल अछि मैथिली फिल्म।
३. कोरोनाकाल एहि क्षेत्र मे अभूतपूर्व योगदान देलक कहि सकैत छी। आइ एक्जैक्ट डेटा राखब हमरा लेल संभव नहि भऽ सकल, कारण परसू १८ तारीख केँ ई टास्क आदरणीय डा. रविन्द्र कुमार चौधरी सर देलनि। समयाभाव मे बहुत किछु अध्ययन नहि कय सकलहुँ। संगहि मैथिली फिल्म हमर रुचिक सब्जेक्ट बहुत बेसी नहि रहल अछि जे पहिने सँ बहुत जानकारी समेटने रहितहुँ। हँ, हमरे अभिनीत किछु काज एहि विराटनगर मे भेल। एतय दर्जनों कलाकार आ उद्यमी सब छथि – ताहि अनुभवक आधार पर कोरोनाकाल मे संक्रमणक डर रहितो बहुत रास महत्वपूर्ण कार्य भेल अछि। एखन दर्शक सब सेहो घरहि मे बैसि खूब प्रशस्त ढंग सँ अपन मातृभाषाक फिल्म सब देखलनि से बढैत व्यूज केर हिसाब सँ कहि सकैत छी।
क्रमशः…..
आउ भेटैत छी – आजुक परिचर्चा – ए बी एम कालेज, जमशेदपुर केर वेबिनार मे!
हरिः हरः!!