जनकपुर, ८ मार्च २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली साहित्यकार सभा आ जनचेतना अभियान नेपालक संयुक्त आयोजनमे द्वैमासिक एकल कविता वाचनक दसम खेपक संगहि फगुआक अवसरपर मैथिली हास्य कवि सम्मेलन समेत आइ जनकपुरधामक जनक चौकपर सम्पन्न भेल अछि। पहिल चरणमे मैथिली हास्य कवि श्री नरेश ठाकुर जीक एकल कविताक प्रस्तुति। ओझा चालीसासहित करीब एक दर्जन कविता वाचन। श्रोतागण थपड़ी पीटैत मनोरंजित। श्रोतादिसिसँ सामाजिक अभियंता दिनेश पूर्वे आ युवा कवि कामेश्वर यादव द्वारा हुनक काव्य पाठ पर टिप्पणी।
दोसर चरणमे एक दर्जन कविसभक फगुआएल कविता-जोगीरासभक प्रस्तुति; जाहिमे कवि मनोज प्रेमेश, राम भरत साह, राजेंद्र ललन, विजयदत्त मणि, देवीकान्त मिश्र मुसन, मोती झा, राजेश महतोक संलग्नता। एकपर एक रसगर आ चोटगर रचनाक वाचन। बीचबीचमे भोला मंडल आ प्रेम विदेहक डंफ-डफलीपर फगुआ-जोगीरा गायन।
कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि पूर्व सांसद आ प्रसिद्ध साहित्यकार वृषेश चन्द्र लाल। विशिष्ट अतिथि वरिष्ठ पत्रकार – साहित्यकार राजेश्वर नेपाली आ वरिष्ठ साहित्यकार रेवती रमण लाल । विद्यापति पुरस्कार कोषक अध्यक्ष रामसागर पंडितक विशेष उपस्थिति। हुनकोसभक अपन अपन सुंदर रचनाक प्रस्तुति।
वृषेश सरद्वारा साहित्यकार सभाके १५००/-टाका सहयोग। संस्था दिसिसँ हुनका हार्दिक धन्यवाद ज्ञापन। टूटल टांगक उपचार सहयोग वापत कवि नरेश ठाकुरके साहित्यकार सभा द्वारा ५०००/-टाका सहयोग प्रदान।
साहित्यकार सभाक सभापाल प्रेम विदेहक सभापतित्वमे कार्यक्रम सम्पन्न। कार्यपाल अरविंद कुमार यादव द्वारा मंच संचालन। जनचेतना अभियानक अध्यक्ष सुनिल यादव द्वारा स्वागत मन्तव्य आ धन्यवाद ज्ञापन। उपसभापाल रामाशीष मंडलद्वारा सक्रिय सहयोग। कार्यक्रममे साठिगोटेक सहभागिता। आयोजकदिसिसँ सभके धन्यवाद ज्ञापन !!