जीतिया पाबनि पर सामूहिकताक प्रदर्शन – भाषा, संस्कृति आ समाजक उत्थान मुख्य उद्देश्य

राधा मंडल केर अगुवाई मे जीतिया महोत्सवर २०७६ संपन्न

२१ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

राधा मंडलक अगुवाई मे जीतिया महोत्सव २०७६, सरोचिया मे भेल भव्य समारोह

मैथिली जनसांस्कृतिक मंच विराटनगर केर तत्त्वावधान मे श्रीमती राधा मंडल केर संयोजन-अगुवाई मे आयोजित जीतिया महोत्सव २०७६ परसू वृहस्पति दिन विराटनगरक सरोचिया स्थित शिक्षा सदन विद्यालय मैदान मे आयोजित भेल। एहि आयोजन केर अध्यक्षता स्वयं राधा मंडल कएने छलीह, संचालन मे शिवम मिश्रा प्रशान्त व राधा मंडल संयुक्त रूप मे केलीह। एकर प्रमुख अतिथि विराटनगर महानगरपालिकाक प्रमुख भीम पराजुली छलाह, विशिष्ट सम्माननीय अतिथिक तौर पर वरिष्ठ समाजसेव उद्योगपति देवकिशन मुन्धड़ा एवं सृष्टि दैनिक केर संपादक शंकर खरेल छलाह। सम्मानित अतिथि एवं अन्य अतिथि मे आरो काफी रास महत्वपूर्ण व्यक्तित्वक उपस्थिति छल। अपन विराट कलाकेन्द्र केर कलाकार भाइ-बहिन द्वारा भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कयल गेल छल। गायक भागवत मंडल, रोहित लाल यादव, वीरेन्द्र झा एवं अन्य कलाकार लोकनि द्वारा भव्य प्रस्तुति देल गेल।

 
दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक सह मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा जीतिया पाबनिक अवसर पर सामूहिकताक प्रदर्शन लेल आयोजित महोत्सवक महत्व पर प्रकाश देल गेल छल। ओ कहलखिन जे मैथिली महिला लोकनि किछु वर्ष धरि अपन भीतर मे रहल एक सँ बढिकय एक जनोपयोगी गुण-धर्म केँ मात्र चहारदिवारी केर भीतर पर्दाक सीमा मे जीतिया व अन्य पाबनि आदिक मार्फत करैत छलीह, लेकिन आब यैह महत्व केँ समारोहपूर्वक आम जनमानस केँ प्रेरित करबाक हिसाब सँ सब जन-गण-मन केँ जोड़िकय करैत छथि। मात्र १० वर्षक अन्तराल मे मैथिलीभाषी जनमानस मे अपन महत्व प्रति एहेन जागरुकता एकटा सुन्दर क्रान्तिक दर्शन करबैत अछि। एहि लेल संयोजिका राधा मंडलक जतेक प्रशंसा कयल जाय से कम होयत। धन्य ई मंच जतय हमर मैथिली-मिथिला समाजक धियापुता, महिला, पुरूष सब केँ अपन भीतर रहल कला ओ अन्य पौरूष देखेबाक अवसर भेटि रहल अछि।
 
भैरवि वन्दना आ राष्ट्रीय गान सँ आरम्भ एहि समारोह मे जीतिया पाबनिक द्योतक गीदर आ चिल्होरिनीक मित्रता आर ओहि गाछ जतय ई सब मित्रतापूर्वक रहैत छलथि तेकरा सजीव मूर्तिक रूप मे प्रदर्शित सेहो कयल गेल छल। झीझिया, जट-जटिन आदिक संग विभिन्न लोकगीत आ हिन्दी गीत पर स्कूली छात्र-छात्रा सब द्वारा नृत्यक प्रस्तुति सँ माहौल मे पूरा जोश आ उत्साह देखल गेल। भागवत मंडल द्वारा अपनहि लिखल आ संगीत देल सुन्दर जीतिया गीत सेहो गायल गेल। तहिना रोहित लाल यादव द्वारा अश्लील गीतक प्रतिकार करैत अपन मैथिली भाषाक सागर समान सुन्दर गीतक दुनिया मे सब केँ आनन्द लेबाक अपील करैत एक गोट भक्ति गीत आ किछु रास रंगारंग नृत्य सहितक गीत प्रस्तुत करैत दर्शक सब केँ खूब मनोरंजन कयल गेल। गायकी कलाक श्रेष्ठ ज्ञान सँ सम्पन्न वरिष्ठ गायक वीरेन्द्र झा सेहो अपन चिर-परिचित गीत ‘एना बाट तकय छथि पी के डिबिया बारि-बारि केँ’ तथा ‘झूलय के मोन छल हमरा सँ कहितहुँ’ गायल गेल छल जाहि पर बिन मंगनहिये लोक सब थोपड़ीक अम्बार त लगेलकनि… मुदा संगहि किछु गोटा ईहो आग्रह केलखिन जे पुरने गीत सब दिन गेबय कि नवको सब सुनेबय। अभिनेता विजय कामत तथा अभिनेत्री अनिता बैजू द्वारा सुन्दर नृत्य सेहो दर्शक केँ खूब नीक लगलनि।
 
वरिष्ठ गायक रामा मंडल केँ सम्मान करैत गीत-संगीत केँ अपन जीवन समर्पित करबाक लेल शुभकामना सेहो देल गेल छलनि। एहि अवसर पर हुनका द्वारा ‘हम छी मैथिल बाबू मेड इन मिथिला’ गीत गाबिकय दर्शक-श्रोता केँ अपन भाषा-भेष प्रति जुड़िकय रहबाक विलक्षण सन्देश देल गेल छल। एहि अवसर पर वरिष्ठ समाजसेवी देवकिशन मुन्धड़ा जी केँ सम्मान पत्र सँ सम्मानित सेहो कयल गेल। ओ अपन सन्देश मे नेपालक प्रदेश १ केर नामकरण ‘हिपमत’ अर्थात् हिमाल पहाड़ मधेश तराई केर संयुक्ताक्षर हेबाक लेल सरकार सँ आह्वान कयलनि। तहिना सृष्टि दैनिक केर रवि दिनक अंक मे ‘हिपमत’ पृष्ठ मे सब भाषाभाषीक लेख-विचार-समाचार केँ समेटबाक जे महत्वपूर्ण कार्य कयल जा रहल अछि, ताहि लेल सृष्टि दैनिकक संपादक शंकर खरेल केँ सेहो सम्मानित कयल गेलनि। ओहो अपन विचार मे नेपालक संघीयता केँ मजबूत बनेबाक लेल सब भाषा आ संस्कृति केँ आगू बढेबाक आवश्यकता अनुरूप अपन योगदान आ संग-सहयोग सभक लेल एकसमान नेपाली बुझिकय रखबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कयलनि। विशिष्ट अतिथि तथा प्रदेश सांसद जयराम यादव, साधना झा, उषा यादव, वंदना चौधरी, रंजू पोद्दार, मंजू मंडल सहित आरो कतेको रास महिला तथा सज्जनवृन्द लोकनिक उपस्थिति रहल छल। 
 
सम्मानित अन्य व्यक्तित्व मे जीतिया महोत्सव २०७६ केर गरिमामयी मंच द्वारा मैथिली भाषा-संस्कृति अभियन्ता मैथिली विकास अभियानक अध्यक्ष पंकज वर्मा, मैथिली फिल्म मे निर्देशन सँ अलग जगह बनौनिहार संतोष सरकार, अपन कला आ प्रतिभा सँ राष्ट्रीय फलक पर सुपरिचित कलाकार संगीता यादव, महिला सशक्तीकरण आ आर्थिक सबलता लेल विशेष मुहिम चलौनिहाइर महिला नेतृ आशा झा, जीतिया पाबनि पर महोत्सव मनेबाक जन्मदात्री अभियन्ता तथा अपन विराटगढ परोपकार समाजक अध्यक्षा वसुन्धरा झा, पूर्वाञ्चलक पहिल रेडियो प्राविधिक जितेन्द्र थापा, मैथिली फिल्म आ म्यूजिक एल्बम केर सुपरहिट अभिनेता विजय कामत, चिकित्सा क्षेत्र मे सेवा देनिहार डा. बालकृष्ण साह (वरिष्ठ स्त्री तथा प्रसुति रोग विशेषज्ञ) केँ सम्मानपत्र सँ सम्मानित कयल गेलनि। प्रत्येक वर्ष बाजार क्षेत्र मे होइवला आयोजन एहि वर्ष सरोचिया केर टोलवासी केँ समेटिकय करबाक विशेषता आरो बेसी प्रभावी होयबाक बात उपस्थित जनमानस द्वारा कयल गेल। हर दृष्टिकोण सँ एहि तरहक कार्यक्रम सँ आमजन केँ अपन भाषा आ संस्कृति प्रति झुकाव त होइते अछि, नव पीढी मे सेहो नव ऊर्जा आ निजत्व प्रति जागरुकताक प्रसार भऽ रहल अछि।