आयोजनक स्तर कतेक पैघ मुदा सूचना संचरण लेल कोनो सोच नहि, छोट विज्ञप्ति तक नहि

विशेष संपादकीय

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल व्यक्तित्व मे उद्यमी अजय झा केर नाम सुप्रतिष्ठित अछि। संयोगवश हम सब फेसबुक सँ जुड़ल छी। अजय झा उद्यमिताक क्षेत्र मे मैथिल लोकक विकास हेतु काफी प्रेरणास्पद विचार सेहो रखैत छथि, तेँ एकटा विचारक सेहो छथि। अमेरिका आ भारत सहित विभिन्न देश बीच एनाय-गेनाय बुझू जेना हिनक व्यवसायिक व्यक्तित्व लेल सामान्य बात थिक। काल्हि एकटा अपडेट देलनि फेसबुक सँ –

“Mithila Milan Samaroh in Dubai, UAE – It was quite an honour & privilege to interact with Expatriate Mathils in UAE. It was quite a nicely organised function and food was too good. Got an opportunity to meet Mr. Dinkar Jha too.”

अजय बाबूक लिखल मुताबिक कार्यक्रम सही मे उच्च मूल्यक भेल। एहि तरहक कार्यक्रमक आयोजन सँ पूर्व आ पछातिक समाचार सँ आम मैथिल जनसमुदाय केँ सुसूचित केला सँ कार्यक्रमक महत्व आरो बढत, लोकउत्साह सेहो बढत आर भाषा संग संस्कृति आ समाज मे एकटा प्रेरणास्पद संदेशक संचरण होयत। ऊर्जान्वित होयत मिथिला समाज।

कनी टा आत्मसमीक्षा करब
 
एतेक पैघ मूल्यक कार्यक्रम दुबई मे भेल अछि। मिथिलावासी द्वारा मिथिला मिलन समारोह कयल गेल अछि। एक सँ बढिकय एक हस्ती सब एहि मे भाग लेलनि। ई जनतब जखन आम मैथिल समाज केँ भेटतनि त कतेक प्रसन्नता हेतनि आर कतेक आत्मसम्मान व आत्मगौरवक बोध हेतनि जे अपन मिथिलाक लोक दुबई मे सेहो बैसिकय अपन भाषा, संस्कृति, समाज आ समग्र विषय-विन्दु पर विमर्श कयलनि।
 
लेकिन अफसोस जे एकटा छोट विज्ञप्ति देबाक हुनर हम सब विकसित नहि कय रहल छी। जा धरि विज्ञप्ति नहि जारी करब, ता धरि संचारधर्मी लोकनि यथा मैथिली जिन्दाबादक संचालक हमहीं कोना बुझि सकब आ कोना आरो लोक सब केँ बुझा सकब? हमरा एहि बातक चिन्ता होइत अछि जे सब काज पैघ स्तर पर करितो अपनहि आमजन केँ उत्कर्ष सँ वंचित करैत छी हम सब।
 
अजय बाबूक विशेष ध्यानाकर्षण! कृपया अपने जरूर एहि विन्दु पर ध्यान देबैक आर आयोजक सँ कहबनि जे कम सँ कम गोटेक संचारकर्मी केँ एहि सब आयोजनक समाचार जरूर देथि।
 
हरिः हरः!!